logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • विवाहपञ्चमीके चारिम दिन तिलकोत्सव सम्पन्न, आइ मटकोर

    विवाहपञ्चमीके चारिम दिन तिलकोत्सव सम्पन्न, आइ मटकोर

    जनकपुर, ८ अगहनः जनकपुरधाममे सप्ताहव्यापी सीताराम विवाहपञ्चमी महामहोत्सवक चारिम दिन (रैबदिन) तिलकोत्सव सम्पन्न भेल अइछ ।

    त्रेता युगमे भगवान् श्रीराम आ माता सीताके विवाह भेल यादमे जनकपुरधाममे एक हप्ताधैर मनाएल जाएबला विवाहपञ्चमी महामहोत्सवअन्तर्गत राम मन्दिरक प्राङ्गणमे रैबदिन तिलकोत्सव विधि सम्पन्न भेल ।

    राजर्षि जनकके स्वरुपमे जानकी मन्दिरसँ उत्तराधिकारी महन्थ राम रोशन दास वैष्णव भार ल राम मन्दिर गेल छलैन । तिलकोत्सवमे उत्तराधिकारी महन्थ दास आ अयोध्या दरबारक प्रतिनिधित्व केनिहार जनकपुरधामस्थित राम मन्दिरक महन्थ राम गिरी एक दोसरकेँ गला मिल क सम्धी मिलन केलैन । उत्तराधिकारी महन्थ दास दुलहा पक्षक महन्थ गिरीकेँ भार हस्तान्तरण केलैन ।

    महोत्सव अन्तर्गत आइ मटकोर विधिके आयोजन कएल जाएत । तहिना, मङ्गलदिन विवाहपञ्चमीके मुख्य दिन रामजानकी स्वयंवर तथा राइतमे जानकी मन्दिरमे शुभ विवाहके कार्यक्रम हएत । बुधदिन रामकलेवा सङे विवाहपञ्चमी महामहोत्सव सम्पन्न हएत ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर ८, सोमबार १२:२७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP