काठमाण्डू। प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की आपसी सद्भाव, विश्वास तथा सहकार्यके माध्यमसँ समाजमे शान्ति, सहिष्णुता, सद्भाव आ राष्ट्रिय एकता कायम करए लेल सब सक्रिय भूमिका जरुरी रहल बताैलैन अइछ ।
माघी पावैनके अवसरमे थारू समुदायद्वारा आयोजित माघी महोत्सवकेँ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री कार्की विभिन्न समुदाय अलग-अलग नाम, शैली आ परम्पराअनुसार ई पावैन मनाएल गेलोपर तकर मर्म एकेटा रहल बतौलैन ।
ओ कहलैन, “हमरासभ विविध छियै, मुदा एकेटा छी । हमरासभ बहुल छी, मुदा सङे छी। हमरासभ अनेक भइएक पूर्ण छी ।”
विश्व मानचित्रमे नेपाल एकता, सद्भाव आ सहअस्तित्वके अनुपम उदाहरण बनल तथा इएह अपन मौलिक पहिचान आ शक्ति भेल प्रधानमन्त्री कार्कीके कहब छल ।
ओ कहलैन, “वर्तमान विशिष्ट परिस्थितिमे हमरासभ सब आओर संयमित आ एकताबद्ध भ आगू बढबाक आवश्यक छै । एहन सांस्कृतिक पावैनके मर्मकेँ आत्मसात् करैत समाजमे शान्ति, सहिष्णुता, सद्भाव आ राष्ट्रिय एकता कायम करबाक लेल सरकार, समुदाय आ नागरिक सब अपन–अपन स्थानसँ सक्रिय भूमिका निभाबए पडत ।”
कर्मशील थारू समुदायसँ अपन आत्मीय सम्बन्ध रहल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “हमर बाल्यकाल थारु समुदायके सङ्गीसाथी सङे बितल अइछ । तँए माघी पावैन हमरा लेल विशेष पावैन छियै ।”
‘थारु कला संस्कृति अपन पहिचान, एकर संरक्षण आ प्रवर्द्धन करबाक अपन अभियान’ नारासँ आयोजना कएल गेल महोत्सवमे मौलिक कला तथा संस्कृतिके झाँकी प्रस्तुत कएल गेल छल । रासस
जनहितमा जारी सूचना

प्रतिक्रिया