logo
  • २०८२ माघ १२ | Mon, 26 Jan 2026
  • निर्वाचनके ४० दिन बाँकी समानुपातिकदिस ५० लाख मतपत्र छपाइ बाँकी

    निर्वाचनके ४० दिन बाँकी समानुपातिकदिस ५० लाख मतपत्र छपाइ बाँकी

    काठमाण्डू। निर्वाचन आयोग समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस एक करोड़ ५० लाख मतपत्र छपाए चुकल जनौलक अइछ ।

    मतपत्र छपाइ इएह माघ २ गतेसँ जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र लिमिटेडके छापाखानामे सुरू भेल छल । आब ५० लाख मतपत्र छपाइ बाँकी रहल अइछ ।

    समानुपातिकदिस मतपत्र छपेलाक बाद प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीदिसके मतपत्र छपेबाक आयोग जनौलक अइछ ।

    प्रत्यक्षदिसके उम्मेदवारके अन्तिम नामावली तय भ चुकल अइछ । मनोनयन पत्र दर्ता प्रयोजनक लेल एकप्रति मतदाता नामावली छपाए क सब जिलामे पहुँचाएल गेल छल ।

    अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा निर्वाचनमे तीन हजार ४०६ गोटे उम्मेदवारके नामावली आयोग सार्वजनिक केलक अइछ । आयोग शुक्रदिन निर्वाचन चिन्हसेहो प्रदान केलक अइछ ।

    आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराई अनुसार तीन हजार १७ पुरुष, ३८८ महिला आ अन्यमे एक गोटे उम्मेदवार तय भेल अइछ । उम्मेदवारी दर्तासँ फिर्ताधैरके निर्वाचन कार्यक्रम शान्तिपूर्ण आ उत्साहजनक रूपमे सम्पन्न भेल आयोग उल्लेख केलक अइछ ।

    समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीअन्तर्गतके उम्मेदवारके नामावली सेहो प्रकाशित भ चुकल अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ १०, शनिबार १४:३०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP