काठमाण्डू। सर्वोच्च अदालत नागरिक उन्मुक्ति पार्टी, नेपालक संरक्षक रेशम लाल चौधरीकेँ कैलाली क्षेत्र नं. १ सँ उम्मेदवार होबाक माँग करैत दायर कएल गेल रिट निवेदनमे अन्तरिम आदेश देबएसँ अस्वीकार केलक अइछ ।
न्यायाधीशद्वय सारङ्गा सुवेदी आ टेकप्रसाद ढुङ्गानाके इजलाससँ रैबदिन उक्त विवादमे सुनुवाइके बाद अन्तरिम आदेश जारी करबासँ अस्वीकार कएल गेल अइछ ।
आदेशमे कहल गेल अइछ, “उक्त संवैधानिक एवं कानुनी व्यवस्थाके व्याख्या प्रस्तुत रिट निवेदनके अन्तिम सुनुवाइके समय होबाक कारण सुविधा सन्तुलनके दृष्टिसँ माँगबमोजिम अन्तरिम आदेश जारी करबाक अवस्था नै छै । नियमानुसार पेस करब ।”
कैलाली क्षेत्र नं. १ के निर्वाचन अधिकृत उम्मेदवारी खारेज करबाक निर्णय विरूद्ध चौधरी सर्वोच्च अदालतमे रिट दायर कएने छलैन । रासस

प्रतिक्रिया