logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • पूर्वप्रधानमन्त्री नेपालसहित ९३ गोटेपर मुद्दा दायर

    पूर्वप्रधानमन्त्री नेपालसहित ९३ गोटेपर मुद्दा दायर

    काठमाण्डू:अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगद्वारा पतञ्जली योग पीठ तथा आयुर्वेद कम्पनी नेपालक जमीन प्रकरणमे पूर्वप्रधानमन्त्री माधव कुमार नेपालसहित ९३ गोटेपर आइ विशेष अदालतमे आरोपपत्र दायर कएलक अइछ।

    एहि आरोपपत्र दायर भेलासँ नेकपा (एकीकृत समाजवादी) अध्यक्ष पूर्वप्रधानमन्त्री नेपालके सांसद पद स्वतः निलम्बित भेल अइछ ।

    भ्रष्टाचार निवारण ऐन, २०५९ अनुसार फौजदारी वा भ्रष्टाचारसम्बन्धी मुद्दा सार्वजनिक पदधारी व्यक्तिक विरुद्ध दायर भएलापर पद स्वतः निलम्बन होइ छै। पूर्वप्रधानमन्त्री नेपाल सङ्घीय संसद् अन्तर्गत रौतहट क्षेत्र नं. १ सँ निर्वाचित सांसद छैथ। काभ्रेपलाञ्चोक जिलाक नासिकास्थान साँगा, महेन्द्रज्योति क्षेत्रमे कम्पनी संचालनक उद्देश्यसँ हदबन्दीसँ बेसी जमीन खरिद करब, आ ओहि जमीन कम मूल्यमे किन अधिक मूल्यपर बिक्री करबाक आरोपमे आयोगद्वारा एहि मुद्दा दायर कएल गेल अइछ। कम्पनीके संस्थापक सदस्य शालीग्राम सिंहपर सेहो आरोप लगाएल गेल जे ओ कम्पनीक नाम प्रयोग क, कम्पनीक उद्देश्यक विरुद्ध, बदनियतसँ अन्य सरकारी सार्वजनिक पदधारी व्यक्तिसभके सङ मिल क, ओइ जमीन खरिद प्रकरणमे भूमिसम्बन्धी ऐन, २०२१ क धारा १०के उल्लंघन कएलैन। आयोगक अनुसार सम्बन्धित सरकारी निकायक व्यक्तिसभ आ राष्ट्रसेवकसभ अपन पदक दुरुपयोग क, जिम्मामे रहल सार्वजनिक सम्पत्तिक विषयमे बदनियतपूर्ण गैरकानूनी निर्णय लेलक। आयोग ओइ हदबन्दीसँ बेसी जमीन जफत कए, ऐनक धारा ११ अनुसार सरकारी सार्वजनिक सम्पत्ति रूपमे कायम करबाक दाबी कएने अइछ। एहि मुद्दासम्बन्धी पत्र सङ्घीय संसद् सचिवालयमे पहुँच चुकल आयोगक प्रवक्ता राजेन्द्र कुमार पौडेल राससकेँ जानकारी देलक अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २२, बिहीबार १७:०६
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP