सिरहा, २५ अगहनः बरियारपट्टी गाउँपालिका–२ सँ प्रहरी स्रोत नै भेल ७ लाख टकासहित एक गोटेके गिरफ्तार केलक अइछ ।
मङ्गलदिन इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुर पतारसँ खटल प्रहरी टोली भारतसँ नेपालदिस आइब रहल भारतीय नम्बर प्लेट बिआर ३२ एडब्लु –८३७७ नम्बरके स्कुटी चेक जाँच करबाक क्रममे स्कुटीके डिकी भीतर नुका क राखल सात लाख टका बरामद कएने जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी उपरीक्षक अनन्तराम शर्मा जानकारी देलैन ।
प्रहरी उपरीक्षक शर्माके कहब अनुसार उक्त स्कुटी चालक बरियारपट्टी गाउँपालिका–३ के ४६ वर्षक दिनेश महतोकेँ घटना स्थलसँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । हुनक कहब अनुसार, बरियारपट्टी क्षेत्रमे किछ दिनसँ निगरानी बढौलाक बाद जाँच कड़ा बनाएल गेल अइछ । ओएह क्रममे महतोकेँ रोइक क चेकजाँच कएलापर ओइ परिमाणक टका बरामद कएल गेल छल ।
गिरफ्तार कएल गेल महतोपर टकाके स्रोत, प्रयोजन तथा संभावित अवैध कारोबारसम्बन्धी विषयमे आओर अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ । तहिना, आवश्यक कानुनी प्रक्रिया सेहो आगु बढ़ाओल गेल प्रहरी जनौने अइछ
प्रतिक्रिया