logo
  • २०८३ जेष्ठ ३० | Sat, 13 Jun 2026
  • स्रोत नै भेल सात लाख टकासहित एक गोटे गिरफ्तार

    स्रोत नै भेल सात लाख टकासहित एक गोटे गिरफ्तार

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

    सिरहा, २५ अगहनः बरियारपट्टी गाउँपालिका–२ सँ प्रहरी स्रोत नै भेल ७ लाख टकासहित एक गोटेके गिरफ्तार केलक अइछ ।

    मङ्गलदिन इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुर पतारसँ खटल प्रहरी टोली भारतसँ नेपालदिस आइब रहल भारतीय नम्बर प्लेट बिआर ३२ एडब्लु –८३७७ नम्बरके स्कुटी चेक जाँच करबाक क्रममे स्कुटीके डिकी भीतर नुका क राखल सात लाख टका बरामद कएने जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी उपरीक्षक अनन्तराम शर्मा जानकारी देलैन ।

    प्रहरी उपरीक्षक शर्माके कहब अनुसार उक्त स्कुटी चालक बरियारपट्टी गाउँपालिका–३ के ४६ वर्षक दिनेश महतोकेँ घटना स्थलसँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । हुनक कहब अनुसार, बरियारपट्टी क्षेत्रमे किछ दिनसँ निगरानी बढौलाक बाद जाँच कड़ा बनाएल गेल अइछ । ओएह क्रममे महतोकेँ रोइक क चेकजाँच कएलापर ओइ परिमाणक टका बरामद कएल गेल छल ।

    गिरफ्तार कएल गेल महतोपर टकाके स्रोत, प्रयोजन तथा संभावित अवैध कारोबारसम्बन्धी विषयमे आओर अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ । तहिना, आवश्यक कानुनी प्रक्रिया सेहो आगु बढ़ाओल गेल प्रहरी जनौने अइछ

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर २५, बिहीबार १२:२४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP