वीरगञ्जःपर्सा जिलाक पकहाँमैनपुर गाउँपालिका–४ स्थित खेस्रहामे आइ भेल आइगलगीमे दुटा फुइसक घर आ दुटा गोहाली पूर्णरूपेँ जइर गेल अइछ।
विद्युत् सर्ट भेलाक कारण रामाशङ्कर गिरी आ ओही गामके दरोगा गिरीके फुइसके घर आ गोहली जरलासँ करिब १४ लाख ५० हजार टका बराबरके धनजनक क्षति भेल अइछ।
आइ भोर विद्युत् सर्ट भ आइग लाइग क दु फुइसक घर आ गोहाली जरल जिला प्रहरी कार्यालय पर्साक प्रहरी नायब उपरीक्षक सुवास भट्ट जानकारी देलक अइछ।
ओ कहलैन, “आइगके जानकारी भेटते स्थानीय प्रहरी, दमकल आ स्थानीयवासीक सहयोगसँ आइगकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल। तत्काले सावधानी अपनाएल गेल कारणे मानवीय क्षति नै भेल।“
आगलागीमे रामाशङ्कर गिरीक करिब सात लाख टका बराबरके क्षति भेल। ओही आइगकेँ कारण हुनकर एकटा महिस आ परू सेहो जइर क घायल भेल अइछ।रासस
प्रतिक्रिया