महेन्द्रनगरःनेपाली कांग्रेसक सभापति एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा मधेशमे जल्दीए कांग्रेस नेतृत्वमे सरकार बनैबला बतौलैन अइछ ।
आइ पार्टीके मधेश प्रदेश कार्यालय जनकपुरधाममे पत्रकारसभसँ बात करैत बेराबेरीके सहमितअनुसार जल्दीए कांग्रेसके नेतृत्वमे सरकार बनैबला बतौलैन अइछ ।
सभापति देउवा एहि विषयमे आब जल्दीए सत्ता सहयात्री दलसङे बातचित कएल जेबाक बतौलैन । “बेराबेरी सरकार बनेबाक बात छै, आब जल्दीए ताहि विषयमे बातचित हएतै, कांग्रेसके नेतृत्वमे सरकार बनतै”, ओ कहलैन ।
ओहि अवसरमे नेतासभ विमलेन्द्र निधि, कृष्णप्रसाद सिटौला, महेन्द्र यादव, मधेश प्रदेश सभापति कृष्ण यादवसहितके उपस्थिति छल ।
यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
प्रतिक्रिया