logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • गोलबजार–लगडी–गदियानी सड़क निर्माण पाँच वर्षमे अधुरा

    गोलबजार–लगडी–गदियानी सड़क निर्माण पाँच वर्षमे अधुरा

    सिरहा, ३ अखार: दू वर्षक भीतर निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य राइख क सुरू भेल गोलबजार–लगडी–गदियानी सड़क निर्माणक पाँच वर्ष भ चुकलापर सेहो पूर्णता नै भेटल अइछ। सिरहा नगरपालिका, अर्नमा गाउँपालिका आ गोलबजार नगरपालिकाक बीचक २८ किलोमिटर लम्बा ई सड़क स्थानीय बासीसभ लेल वर्षौंसँ थाल आ गरदासँ जीवनग्रस्त बनल अइछ।

    स्थानीय जगेश्वर यादव कहलैन “सड़क पक्की हएतै से सुइन क लोक उत्साहित छलै, मुदा आब लोक निराश भ गेल छै। ठिकेदारसभ सड़कके बगलमे खुइन क छोइड़ देलक। समयपर काज पूरा नै भेलासँ बर्खामेँ थाल आ जाढ़मेँ गरदा झेलए पड़ैत अइछ,” ओ कहलैन।

    अर्नमा गाउँपालिका–३ निवासी सिकेन्द्र यादव सेहो कहलैन जे “दू वर्षमेँ पिचिंग होएत कहल गेलै, सड़क पाँच वर्षमेँ सेहो पूरा नै भेल आ गरदा थालसँ जनताकेँ कष्ट भ रहल अइछ। सब चुनावमेँ ई सड़क मुद्दा बनैत छै, मुदा चुनाव सङ-सङ ई मुद्दा सेहो हराइत जाइत अइछ।”

    हुलाकी सड़क निर्देशनालय, योजना कार्यालय जनकपुरद्वारा करिब पाँच वर्षसँ ई सड़क निर्माणके काज भ रहल अइछ। ट्र्याक खोइल क पिचिंग करबाक उद्देश्यसँ २०७७ साल भादबमेँ ठिक्का सम्झौता भेल छल, आ २०७९ साल फागुन २३ भित्र निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य छल। तत्कालीन भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री वसन्त कुमार नेम्वाङद्वारा शिलान्यास सेहो कएल गेल छल।

    मुदा, एहि सम्पूर्ण अवधिमेँ किछु स्थानपर नाला निर्माण आ ग्राभेलके बाहेक कोनो खास प्रगति भेल नै अइछ। निर्देशनालयद्वारा पहिल बेर २०८० फागुन २२ आ दोसर बेर २०८१ फागुन २२ धैर म्याद विस्तार कएल गेल, मुदा वर्तमानधैर भौतिक प्रगति मात्र २८ प्रतिशत रहल अइछ।

    निर्देशनालय प्रमुख कृष्ण कुमार महतो जानकारी देलैन जे ठिकेदारकेँ अन्तिमबेर फेर एक सालक म्याद देबाक प्रक्रिया आगू बढाएल जा रहल अइछ। ओ कहलैन, “आश करियाै जे ई अवधीमेँ काज पूरा होएत, नै तँ ठिकेदारके विरुद्ध आवश्यक कारबाही कएल जाएत।”

    अर्नमा गाउँपालिकाके अध्यक्ष अशोक यादव ठिकेदार कम्पनी आ निर्देशनालयकेँ कारण आमजनताकेँ कष्ट भोग भ रहल शिकायत कएलैन। ओ कहलैन, “समयमेँ काज पूरा करबाक आग्रह कएलाक बावजूद ठिकेदार कम्पनी आब सम्पर्कमेँ नै आइब रहल अइछ।”

    निर्देशनालयक अनुसार ई सड़क निर्माण कार्यक ठिक्का ९१ करोड़ ३९ लाख ७९ हजार ६० टकामेँ देल गेल छल। हालधैर ठिकेदार कम्पनीकेँ भ्याटबाहेक २५ करोड़ ४९ लाख सात हजार ७१४ टका भुक्तानी कएल जा चुकल अइछ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार ३, मंगलवार १२:४३
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP