महेन्द्रनगर (धनुषा), १२ अखारः जनकपुरधाममे आइसँ मुख्यमन्त्री अन्तर–प्रदेश कबड्डी प्रतियोगिता सुरू भ रहल अइछ ।
मधेश प्रदेश खेलकुद परिषद्के सदस्यसचिव शिवजीप्रसाद कानु बुधदिन जनकपुरधामामे पत्रकार सम्मेलन क हरेक प्रदेशसँ १२ गोटे खेलाड़ी सहभागी होबाक बतौलैन । मधेशके मौलिकताकेँ चिन्हाबैबला खेल भेलासँ ई प्रतियोगिता महत्वपूर्ण रहल ओ उल्लेख कएलैन । मधेश सुगम ठाम रहलासँ खेलकुदकेँ जोड़लक तँ खेलकुदमार्फत राष्ट्रके सम्पत्तिक रूपमे बहुत खेलाड़ी उत्पादन कएल जाएबला ओ विचार व्यक्त कएलैन ।
शैनदिनधैर सञ्चालन होएबला प्रतियोगितामे सातु प्रदेशक कबड्डी समूह सहभागी होबाक आयोजक जनौलक अइछ । प्रतियोगिताक लेल मधेश सरकारक खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्रालय ५० लाख टका बजेटके व्यवस्था कएने अइछ । एहि प्रतियोगितामे प्रथम होएबला टोलीकेँ २५ हजार टका, दोसर टोलीकेँ २० हजार टका आ तेसर टोलीकेँ १५ हजार टका पुरस्कार देल जेबाक सदस्य सचिव कानु जानकारी देलैन अइछ ।

प्रतिक्रिया