काठमाण्डू, १८ अखारः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) प्रतिनिधिसभा, राज्य व्यवस्था समितिसँ पारित सङ्घीय निजामती विधेयकमे रहल ‘कुलिङ पिरियड’सम्बन्धी व्यवस्था तोड़मोड़ कएनिहारकेँ कारबाही करए लेल मांग कएलक अइछ । पार्टी मुख्यालय पेरिसडाँडामे आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे उपाध्यक्ष एवम् प्रवक्ता अग्निप्रसाद सापकोटा उक्त प्रकरणके निष्पक्ष खोजबिन करबाक मांग कएलैन ।
“विधेयक कार्यसूचीमे समावेश करएसँ ल क पारित करए धैर ई एकाध व्यक्तिद्वारा कएल काज नै भ सकैत छै । ई सुनियोजित तरिकासँ भ सकैत छै। एकर जिमा नैतिक रूपमे संसद्के नेतृत्वके सेहो लिय पड़त”, सापकोटा कहलैन ।
ओ नेपाल शिक्षक महासङ्घसङ संसद्सँ अखार १५ गतेभित्र विद्यालय शिक्षा विधेयक पारित करबाक सहमति सेहो एखनधैर पारित नै होएब दुःखद् भेल टिप्पणी कएलैन । सहमति कार्यान्वयन करबाक चाही से सरकारके सरोकार पक्षसभबीचके अन्तरविरोध होएब सरकार सहमतिप्रति गम्भीर नै भेल प्रमाणित होइछै”, ओ कहलैन ।
प्रवक्ता सापकोटा शिक्षा विधेयक यथाशीघ्र पारित क शिक्षककेँ आन्दोलन करए लेल बाध्य नै करबाक लेल आग्रह कएलैन । प्रवक्ता सापकोटा कृषि क्षेत्रके समग्र समस्या समाधान करैत कृषकसभकेँ आवश्यक मल, बीउ तत्काल उपलब्ध करेबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करेलैथ ।रासस
प्रतिक्रिया