logo
  • २०८२ माघ २९ | Thu, 12 Feb 2026
  • प्रधानमन्त्री कार्कीद्वारा सोनाम ल्होछारके शुभकामना

    प्रधानमन्त्री कार्कीद्वारा सोनाम ल्होछारके शुभकामना

    काठमाण्डू, प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की सोनाम ल्होछारके शुभकामना देलैन अइछ । ओ कहलैन, “तामाङलगायत हिमाली, पहाड़ी आदिवासी जनजाति समुदायक राष्ट्रिय सांस्कृतिक पाबैन सोनाम ल्होछार–२८६२, ता ल्हो (घोड़ा वर्ष)के पावन अवसरमे सबमे हार्दिक शुभकामना व्यक्त करैत छी ।”

    तामाङ समुदाय नयाँ सालके रूपमे प्रत्येक साल माघ शुक्ल प्रतिपदाके दिन सोनाम ल्होसार पाबैन मनाबैत अइछ । अइ पाबैनमे तामाङ समुदायमे कुल पूजा, प्रकृति पूजा आ बुद्धक सन्देशके याद करबाक सङे परिवारजन जमा भ मनोरञ्जन करैत एक दोसरमे खुसी आदान–प्रदान करबाक परम्परा अइछ ।

    नेपालक तामाङ समुदायसहित ह्योल्मो, थकाली, जिरेल, नेस्याङ्वा, भोटे, दुरा, लेप्चालगायत आदिवासी जनजातिसभ उल्लासपूर्वक ई पाबैन मनाबैत अइछ । सोनाम ल्होसारमे प्रर्दशन कएल जाएबला मौलिक नाच, गीत, वाद्यसंगीत तथा परम्परागत परिकारकेँ सांस्कृतिकक धरोहरके रुपमे मानल जाइत अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ ५, सोमबार १२:३५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP