
कर्णाली, ३१ जेठः टिबी शाह स्मृति यू–१६ राष्ट्रिय क्रिकेट प्रतियोगिताक उपाधि मधेश प्रदेशके नाममे गेल अइछ। सुर्खेतक वीरेन्द्रनगरमे आयोजित १६ वर्षसँ कम उमेरके टिबी शाह स्मृति प्रथम राष्ट्रिय क्रिकेट प्रतियोगितामे मधेश विजयी बनल अइछ।
आइ सम्पन्न फाइनल खेलमे मधेश प्रदेश बागमती प्रदेशकेँ सात विकेटसँ हराबैत उपाधि जीतलक अइछ । टस हाइर क पहिने ब्याटिङ करए उतरल बागमती ५० ओभरक खेलमे ३३ ओभरमे सब विकेटके क्षतिमे ११२ रन बना सकलक। बागमती लेल सूर्यांशु कोइरालाक योगदान सात बलमे १० रन, प्रसिद्ध जैसी ४० बलमे २५ रन, अभि थपलिया २३ बलमे चाइर रन, जोय थापा छ रन, शिवशक्ति महतो दू रन, रोहित ठाकुर ४६ बलमे २२ रन आ आशीष गुप्ता १७ रन जोड़लक। अतिरिक्त रनक रूपमे बागमतीकेँ २१ रन भेटल। मधेशक ओपनर आयान मुखिया ३३ बलमे नटआउट २२ रन, सन्तु मण्डल २२ बलमे ४३ रन, सुशान्त सिंह १५ बलमे १२ रन, परिमार्जन यादव चाइर आ माही यादव चाइर रन बना क लक्ष्य पूरा कएने छल।
प्रतियोगितामे मधेशक टीमके प्रथम स्थान प्राप्त भेलाक उपलक्ष्यमे नेपाली काँग्रेस कर्णाली प्रदेशसभा दलके नेता जीवनबहादुर शाहीद्वार १ लाख २५ हजार टकाके पुरस्कार प्रदान कएने छल। प्रतियोगितामे ‘प्लेयर अफ दी फाइनल’ मधेशक रोहन यादव घोषित भेल। ‘बेष्ट बलर’ मधेशक अभय यादव, ‘बेष्ट ब्याटर’ आ ‘प्लेयर अफ दी टुर्नामेन्ट’ लुम्बिनी प्रदेशक रौनक श्रीवास्तव चनय भेल। नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान)क मुख्य आयोजन, कर्णाली प्रादेशिक क्रिकेट सङ्घक सहआयोजना आ सुर्खेत जिला क्रिकेट सङ्घक व्यवस्थापनमे ई खेल संचालन कएल गेल छल। कर्णाली प्रादेशिक क्रिकेट सङ्घक अध्यक्ष पदमबहादुर खड्काक अनुसार प्रतियोगिता जेठ १९ गतेसँ शुरु भेल आ सातु प्रदेशक समूहसभके सहभागिता छल। रासस

प्रतिक्रिया