कीर्तिपुर (काठमाण्डू), १८ माघः आइसिसी महिला टी २० विश्वकप ग्लोबल छनाैट प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अइछ ।
आइ त्रिभुवन विश्वविद्यालय क्रिकेट रङ्गशालामे सुपर सिक्स चरणके अन्तिम खेलमे स्कटल्यान्ड संयुक्त राज्य अमेरिकाकेँ ४१ रनसँ पराजित गरेसङे प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अइछ । अगिला वर्ष बेलायत आ वेल्समे आयोजना होएबला विश्वकप खेलबाक चाइर टोलीके निर्णय भेल अइछ । चाइर टोलीमे बङ्गलादेश, आयरल्यान्ड, स्कटल्यान्ड आ नेदरल्यान्ड छै ।
आइ सुरूमे टस जीत क ब्याटिङ कएने स्कटल्यान्ड निर्धारित २० ओभरमे आठ विकेट क्षतिमे १७८ रन बनौने छल ।डारकेइ कार्टर सर्वाधिक ५२ तथा अलिसा लिस्टर ४३ रन बनौने छल ।जवाफी ब्याटिङमे अमेरिका १९ ओभरमे सब विकेट क्षतिमे १३७ रनमे समित भेल छल ।
छनाैट प्रतियोगितामे नेपाली महिला क्रिकेट समूह तँ समूह चरणके चाइर खेलमध्ये तीनमे हार आ एकमे जीतैत समूह ‘बी’ के पाँच देशमध्ये चारिम स्थानमे रहल । नेपालसहित १० देशक महिला समूह सहभागी प्रतियोगितामे त्रिवि क्रिकेट रङ्गशाला आ मूलपानी क्रिकेट मैदानमे २९ खेल भेल छल ।
बङ्गलादेश कप्तान ज्योति सुल्ताना ‘प्लेयर अफ दी टुर्नामेन्ट’ घोषित भेल तँ प्रतियोगितामे स्कटल्यान्डके ग्याबि लुइस उत्कृष्ट ब्याटर तथा अमेरिकी तारा नोरिश उत्कृष्ट बलर घोषित भेल ।
प्रतियोगिताक चाइरटा खेल जीत क १० अङ्क हासिल कएने बङ्गलादेश ट्रफी प्राप्त केलक अइछ । रासस
प्रतिक्रिया