राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू; आइ निर्दोष बालबालिका अत्याचारविरुद्धके अन्तर्राष्ट्रीय दिवस मनाएल जा रहल अइछ । संयुक्त राष्ट्रसङ्घ महासभा सन् १(८२के अगस्ट १( मे प्यालेस्टाइनसम्बन्धी आपतकालीन विशेष अधिवेशनमे इजराइलके आक्रमणक कारण प्यालेस्टाइन आ लेबनानके बालबालिकाउपर भेल हिंसासँ स्तब्ध होइत एहि दिवसकेँ मनेबाक निर्णय कएने अइछ।
अइ दिवसके उद्देश्य संसारभैर बालबालिकाके शारीरिक, मानसिक तथा भावनात्मक पीडाकेँ सम्बोधन करब आ हुनकासभके संरक्षण सुनिश्चित करबाक छै। बाल अधिकारसम्बन्धी महासन्धिके मार्गदर्शनमे संयुक्त राष्ट्रसङ्घ धीयापूताक अधिकारके रक्षा करए लेल प्रतिबद्धता व्यक्त करैत आएल अइछ ।
आइ सेहो विश्वके कतेको बालबालिका द्वन्द्व, चरमपन्थी हिंसा, शोषण आ दण्डहीनतासँ प्रभावित छै । सन् २)१५ मे पारित २)३) क लेल दीर्घकालिन विकास एजेन्डा धीयापूताक सुरक्षाक लेल स्पष्ट लक्ष्य तय केलक अइछ । लक्ष्य १६।२ अन्तर्गत सब प्रकारक हिंसा अन्त करब, शोषण, उपेक्षा आ दुव्र्यवहार विरुद्ध कठोर बनेबाक योजना समावेश अइछ ।
प्रतिक्रिया