काठमाण्डू, २८ जेठः उपराष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादव रुसके राष्ट्रिय दिवसके अवसरमे मङ्गलदिन साँझ आयोजित स्वागत समारोहमे सहभागी भेलैथ । नेपालके लेल रुसी महासङ्घक राजदूत एलेक्सी ए. नोभीकोभ आयोजन कएने ओइ समारोहमे शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री रघुजी पन्त, उपसभामुख इन्दिरा राना, सांसद, प्रधानसेनापति अशोकराज सिग्देल, अइ ठाँमक कूटनीतिक नियोगके प्रमुख तथा पदाधिकारी, पूर्वमन्त्री, नेपाल सरकारक वरिष्ठ अधिकारी एवम् सञ्चारकर्मीके उपस्थिति छल । ओहि अवसरमे रुसी साङ्गीतिक टोली विविध सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कएल छल ।रासस
प्रतिक्रिया