सिरहा। लहान नगरपालिका–४ यज्ञभूमिमे क्रिकेट रङ्गशाला निर्माणक प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल अइछ । ओइ लेल लहान नगरपालिका रैबदिन बोलपत्र आह्वान केलक अइछ । बोलपत्र आह्वान सङे स्थानीय क्रिकेटप्रेमी उत्साहित भेल अइछ ।

युवा तथा खेलकुदमन्त्री बब्लु गुप्ता बितल अगहन ५ गते रङ्गशाला निर्माणस्थलके स्थलगत निरीक्षण कएने छलैन । निरीक्षणके क्रममे मन्त्री गुप्ता मन्त्रालयसँ तीन करोड़ टका बजेटके व्यवस्था भ गेल आ प्राविधिक अध्ययनके काज भ रहल जानकारी देने छलैन । ओइ क्रममे मन्त्री गुप्ता काज जल्दी सुरु होबाक विश्वास व्यक्त कएने छलैन ।
“विगतमे विभिन्न कारणसँ रोकल गेल बजेट फुकुवाके लेल अर्थ मन्त्रालयमे फाइल गेलाक कारण प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद काज सुरु हएत । कोना संभव हएत हमसभ काज आगु बढ़ेबाक लेल केन्द्रित छी”, मन्त्री गुप्ता कहने छलैन ।
तहिना, लहान नगरप्रमुख महेश प्रसाद चौधरी क्रिकेट रङ्गशाला लहानक खेलकुद विकासके लेल महत्त्वपूर्ण परियोजना भेल बतौलैन । ओ कहलैन, “नगरपालिका खेलकुद पूर्वाधारकेँ प्राथमिकतामे राइख क काज क रहल छै । युवाकेँ खेलदिस आकर्षित करबाक उद्देश्यसँ दू करोड़ टका विनियोजन क टेण्डर आह्वान कएल गेल छै ।”
लहान क्रिकेट क्लबक अध्यक्ष विमल ठाकुर उक्त क्षेत्र सरकारी जमीन भेलाक कारण रङ्गशाला निर्माणमे आसान होबाक बतौलैन । मन्त्रालयके तीन करोड़ टका आ नगरपालिकाके दू करोड़ टकाके लागतमे प्रारम्भिक काज सुरु होबाक ओ बतौलैन । रासस
प्रतिक्रिया