रौतहट, १ अखारः सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल, नम्बर ११ गण हेडक्वाटर रौतहटद्वारा पछिला चाइर महिनामे कूल एक करोड़ ८२ लाख ९५ हजार ६५० टका बराबर अवैध सामान बरामद कएल गेल अइछ । ई बरामद फागुन १ गतेसँ जेठ महिनाधैर कएल गेल अवैध समानसभमे समावेश अइछ । गणपति सन्तोष कुमार बस्नेत जानकारी दैत कहलैन, “वितल चाइर महिनामे सशस्त्र प्रहरीद्वारा ६९ लाख ३२ हजार मूल्यक सवारीसाधन नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।” ओ कहलैन, “सीमा सुरक्षामे खटल प्रहरीक सक्रियता बढ़लासँ अवैध चोरीपैठारी बढ़ल छै, एकटा स्कार्पियो, एकटा अटोरिक्सा, ५४ टा मोटरसाइकल आ चाइर टा साइकल बरामद भेल अइछ ।” नम्बर ११ हेडक्वाट कार्यालयक अनुसार ओहि अवधिमे ८५ लाख ६८ हजार २२४ टकाके अवैध किराना, कस्मेटिक, लत्ताकपड़ा आ मोटरपार्ट्स बरामद कएल गेल अइछ । बस्नेत जानकारी दैत कहलैन जे चाइर महिनामे स्रोत नै खुलल १० लाख ६१ हजार नेपाली टका सेहो बरामद भेल अइछ । तहिना छ लाख चाइर हजार ६४० भारतीय टका आ एकटा सेमी अटोमेटिक पेस्तोल सेहो बरामद भेल ओ बतौलैन अइछ । मानव बेचबिखनक आशङ्कापर नाका क्षेत्रसँ १० गोटे नेपाली महिला उद्धार कएल गेल अइछ आ ओहि अवधिमे ५३ किलो गाँजा सहित विभिन्न प्रकारक लागुऔषध बरामद भेल अइछ । हेडक्वाटर अन्तर्गतक पाँच युनिटकेँ अवैध चोरीपैठारी तथा सीमाक्षेत्रमे होइवाला अवैध गतिविधि रोकबाक लेल विशेष निर्देशन देल गेल अइछ ।रासस
प्रतिक्रिया