वीरगञ्ज (पर्सा), ११ अगहनः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके पहिल चाइर महिनामे ३३ अरब २१ करोड़ टका बराबरके उत्पादन निर्यात कएल गेल अइछ ।
बितल आर्थिक वर्षक ओएह अवधिमो १३ अरब ६४ करोड़ टका बराबरके उत्पादन निर्यात कएल गेल छल ।
वीरगञ्ज भंसारक प्रमुख विष्णु प्रसाद ज्ञवालीके कहब अनुसार १७ अरब ३२ करोड़ टकाक भटमासके तेल आ दू अरब ६० करोड़ टका बराबरके फलफूलके जुस निर्यात कएल गेल अइछ ।
प्रतिक्रिया