logo
  • २०८२ पुष ४ | Fri, 19 Dec 2025
  • सोना चाँदीके दाम बढ़ल

    सोना चाँदीके दाम बढ़ल

    काठमाण्डू, २६ अगहनः वृहस्पैत दिनक तुलनामे आइ सोना चाँदीके दाम बढ़ल अइछ । सोना तोलामे तीन हजार ५ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदीके दाम १ सओ टकासँ बढ़ल अइछ ।

    नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ एक तोला सोनाके दाम दू लाख ५६ हजार ६ सओ टका कायम भेल अइछ, तँ एक तोला चाँदीके दाम तीन हजार ९ सओ ५ टका निर्धारण भेल अइछ ।

    बुधदिन सोनाके दाम प्रतितोला दू लाख ५३ हजार १ सओ टका निर्धारण भेल छल, तँ एक तोला चाँदी तीन हजार ८ सओ ५ टकामे किनबेच भेल छल ।

    अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे आइ एक औँस सोना चाइर हजार २ सओ ७५ आ ओएह परिमाणक चाँदी ६२ अमेरिकी डलरमे किनबेच भ रहल अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर २६, शुक्रबार १२:३८
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP