मुम्बई, ८ अगहनः भारतीय सिनेमा क्षेत्रक लोकप्रिय, बहुप्रतिभाशाली आ सबके मन पसन्द अभिनेता धर्मेन्द्रके सोमदिन ८९ वर्षक उमेरमे निधन भेल अइछ ।
रोमान्टिक कमेडीसँ ल क उच्चस्तरीय एक्सन ब्लकबस्टरधैर समान कौशलके सङ अभिनय केनिहार हुनक क्षमताके सब प्रशंसा करैत छलैन ।
भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी सामाजिक संजालमार्फत हुनका श्रद्धाञ्जलि दैत कहलैन, “धर्मेन्द्रजीके निधनसँ भारतीय सिनेमामे एकटा युगके अन्त्य भेल छै । ओ एकटा प्रतिष्ठित कलाकार मात्रे नै भ प्रत्येक भूमिकामे गहिराइ, आकर्षण आ मौलिकतासँ अद्वितीय अभिनय प्रतिभाक धनीक व्यक्ति छलैन ।”
अभिनेता धर्मेन्द्रके स्वास्थ्य खराब भेलाक बाद हुनका इलाजक लेल मुम्बईके अस्पतालमे भर्ना कराओल गेल छल । धर्मेन्द्र करिब छ दशक लम्बा अपन करियरमे २ सओ ५० सँ बेसी फिल्ममे अभिनय कएने छलैन ।
धर्मेन्द्रके सबसँ चर्चित आ मन पसन्द भूमिकामध्ये सन् १९७५ के क्लासिक फिल्म ‘सोले’ मे ‘वीरु’ के भूमिका विशेष मानल जाइत अइछ ।रासस/एएफपी
यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
प्रतिक्रिया