काठमाण्डू, ७ अखार : अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस नेपालमे सेहो आइ विभिन्न कार्यक्रम आयोजना क मनाएल जा रहल अइछ । अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस हरेक वर्ष जुन २१ तारिखके दिन विभिन्न जनचेतनामूलक कार्यक्रम आयोजन क मनाएल जाइ छै । संयुक्त राष्ट्र सङ्घके महासभा सन् २०१४ मे कएल निर्णय अनुसार सन् २०१५ जुन २१सँ अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस मनेबाक सुरू कएल गेल अइछ ।
भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र दामोदर दास मोदी संयुक्त राष्ट्र सङ्घके ६९ म् महासभामे योग सबहक लेल सबदिनक लेल आवश्यक भेलासँ अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवसके घोषणा करबाक प्रस्ताव कएने छल । उक्त प्रस्तावमे नेपालके तत्कालीन प्रधानमन्त्री सुशील कोइराला पहिल समर्थन कएलाक बाद युरोपियन युनियन सहित संयुक्त राष्ट्र सङ्घक स्थायी सदस्य राष्ट्र समर्थन कएने छल । सङ्घ घोषणा कएने दिवसमध्ये ९० दिनमे १७७ देश समर्थन करबाक कीर्तिमान योग दिवस कायम कएलक अइछ । सन् २०१६ सँ २१ जुनमे अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस विश्वभैर मनाएल गेल छल ।
नेपालमे वि.सं. २०३६ माघ १ गतेसँ सूर्य उत्तरायण दिनके अवसरमे योग दिवस मनाबैत छल । नेपाल संस्कृत विश्वविद्यालयमे छ महिनाके योग तथा प्राकृतिक चिकित्साके अध्यापन होइत रहल अइछ। वैदिक कालमे हिमालयके गोइछ ऋषिमुनि अध्ययन अनुसन्धान क प्रतिपादन कएल योग नेपालेमे लुप्तप्रायः बनल छल । इएह क्षेत्रसँ पुनर्जागरण करबाक लेल दिवस घोषणा क जनचेतना जगेबाक काज शुरु भेल अइछ ।
माघ १ गते मनेबाक कएल गेल विश्व योग दिवस २१ जुनमे मनेलाक बाद नेपालके अभियानकर्मीसभ माघ १ केँ राष्ट्रिय योग दिवस घोषणा करए लेल शान्ति तथा पुन:र्निर्माण मन्त्रालय मार्फत् मन्त्रिपरिषद्मे प्रस्ताव कएने छल । नेपाल सरकार वि.सं. २०७२ साओन २८ गते तत्कालीन शान्ति मन्त्री नरहरि आचार्यके प्रस्तावमे माघ १ गतेकेँ राष्ट्रिय योग दिवस घोषणा कएने छल । योग आ धीयान साधनाक लेल उत्तरायण महत्वपूर्ण मानल गेलासँ उत्तरायणके पहिल दिन मकर सङ्क्रान्ति अर्थात् माघ १ गतेकेँ सरकार राष्ट्रिय योग दिवस घोषणा कएलक अइछ । हाल नेपालमे माघ १ गते राष्टिय आ जुन २१ क दिन अन्तर्राष्टिय योग दिवस मनाएल जाइत अइछ ।रासस