मलङ्गवा (सर्लाही), २८ अगहनः गोड़ैता नगरपालिका–१२ मधुवनीमे शैनदिन साँझ आइगलगी भेलासँ एकटा गोहाली घर पूर्ण रुपमे नष्ट भेल अइछ ।
स्थानीय शिवजी पासवानके घरमे मच्छर भगेबाक लेल बारल गेल घुरसँ आइग पसरलाक बाद आइगलगी भेल जिला प्रहरी कार्यालयके निमित्त प्रहरी प्रवक्ता प्रहरी निरीक्षक विन्देश्वर यादव जानकारी देलैन ।
आइगलगी भेल जानकारी प्राप्त भेलाक बाद प्रहरी चौकी मधुवनी गामसँ प्रहरी हवल्दार गौरीशङ्कर यादवके कमाण्डमे प्रहरी टोली घटनास्थलमे खटल छल । प्रहरी आ स्थानीयके सहयोगमे राइत करिब ९ः०० बजे आइग पूर्ण रुपमे नियन्त्रणमे लेल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
आइगलगीसँ मानवीय क्षति नै भेलाक बादो गोहाली घर पूर्ण रुपमे जइर क नष्ट भेल अइछ । आइगलगीमे एकटा बकरीके मृत्यु भेल अइछ, तँ एकटा गाई आ बकरीके दूटा पाठी घायल भेल अइछ । तहिना, गोहाली घरमे राखल गेल पाँच क्विन्टल धान, एक बोरा चाओर तथा लत्ताकपड़ा सेहो नष्ट भेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
प्रतिक्रिया