logo
  • २०८२ फाल्गुन ४ | Mon, 16 Feb 2026
  • घर-घर घुइम क उच्च रक्तचाप आ मधुमेह परीक्षण

    घर-घर घुइम क उच्च रक्तचाप आ मधुमेह परीक्षण

    राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

    सिरहा, २ अखारः लहान नगरपालिकाद्वारा नगरवासीसभक घरघरमे स्वास्थ्यकर्मी पठा क उच्च रक्तचाप आ मधुमेह रोगीक निःशुल्क परीक्षण शिविर प्रारम्भ कएल गेल अइछ । ‘स्वास्थ्यकर्मी, नगरवासीक घर अंगनामे’ से नारासहित रैवदिन वाड नं १२ पडरिया टोलसँ ओइ शिविरक शुरुआत कएल गेल अइछ । नगरप्रमुख महेश प्रसाद चौधरी कहलैन, “समयपर रोग पहिचान भेलासँ इलाज सहज होइत छै । गाम-गाममे नुकाएल लोक बीमार रहैत छैथ । हुनका पहिचान क उचित इलाज सुनिश्चित करबाक लेल ई कार्यक्रम सुरू कएल गेल अइछ ।” ओ कहलैन जे परीक्षण क आवश्यक भएत तँ स्वास्थ्य संस्थाधैर रिफर सेहो कएल जाएत । नियमित दवाइ ल रहल रोगीक लेल शिविर मार्फत दवाइ वितरणक व्यवस्था सेहो राखल गेल अइछ । लहान नगरपालिकामे १२ टा स्वास्थ्य चौकी आ चाइर टा आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र अइछ । एक हप्ताधैर घर-घर जा क स्क्रिनिङ्ग कार्यमे सब स्वास्थ्यकर्मीके लगाएल गेल नगरपालिकाक स्वास्थ्य शाखा प्रमुख विन्देश्वर चौधरी जानकारी देलक अइछ । नगरपालिकाद्वारा बितल वर्ष सेहो एहेन कार्यक्रम संचालित कएल गेल छल जत चाइर हजारसँ बेसी स्थानीयसभ अपन स्वास्थ्य परीक्षण करौलैन।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार २, सोमबार १२:४४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP