logo
  • २०८२ माघ ४ | Sun, 18 Jan 2026
  • निर्वाचन ४७ दिन बाँकी निर्वाचन सामग्री आपूर्तिक लेल आयोगमे १३ सेवाप्रदायक संस्था सूचीकृत

    निर्वाचन ४७ दिन बाँकी निर्वाचन सामग्री आपूर्तिक लेल आयोगमे १३ सेवाप्रदायक संस्था सूचीकृत

    विज्ञापन

    काठमाण्डू। निर्वाचन आयोग हिमाली तथा उच्च हिमाली क्षेत्रमे मतपत्रसहितके सामग्री ढुवानीक लेल विभिन्न १३ व्यवसायीक संस्था सूचीकरण केलक अइछ ।

    अगिला फागुन २१ गतेक लेल तय भेल प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनक लेल आवश्यक निर्वाचन सामग्री, मतपत्र तथा अन्य अत्यावश्यक सामग्री ढुवानीक लेल कुरियर सेवादिस दू टा फर्म छनौट केलक अइछ ।

    आयोगक अनुसार, छनाैट भेल व्यवसायीक फर्ममे साझा कुरियर एण्ड कार्गो आ ट्रान्स एयर इन्टरनेशनल लजिष्टिक प्रालि अइछ । आयोग हेलिकोप्टर सेवादिस सेहो फर्म वा कम्पनीकेँ सूचीकृत होबाक लेल आग्रह कएलोपर कोनो फर्म दर्ता नै भेल छै ।

    तहिना, ट्रक तथा कन्टेनर सेवा उपलब्ध करेबाक लेल ११ टा फर्म सूचीकरण भेल अइछ । जाहिमे दर्ता भेल सेवा प्रदायकमे हिमालयन कार्गो लजिष्टिक, वासुकी ट्रान्सपोर्ट, चितवन रोडवेज क्यारियर, न्यू भैरव ट्रान्सपोर्ट, अदिति ट्रान्सपोर्ट छै ।

    एहिना, ओम ट्रान्सपोर्ट, हरहर महादेव ढुवानी सेवा, देउती बज्यै कन्स्ट्रक्सन एण्ड सप्लायर्स प्रालि, कृष्ण ट्रान्सपोर्ट, धवलागिरि कालिका कन्स्ट्रक्सन एण्ड सप्लायर्स आ एयर मनकामना कुरियर एण्ड कार्गो प्रालि सूचीकृत भेल छै ।

    आयोग बितल पुस १७ गतेके सार्वजनिक सूचनाक आधारमे प्राप्त भेल निवेदनकेँ निर्धारित शर्त आ बार्षिक औसत कारोबारके आधारमे मूल्याङ्कन क उक्त सेवाप्रदायक फर्मकेँ सूचीकृत कएल गेल जानकारी देल गेल अइछ । उक्त सेवाप्रदायक संस्थाकेँ आयोग निर्वाचन सामग्री आपूर्तिक लेल परिचालन करत ।रासस

    विज्ञापन

     

     

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ ३, शनिबार १७:४०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP