logo
  • २०८२ फाल्गुन २० | Wed, 04 Mar 2026
  • एमसिसीअन्तर्गतके योजना कार्यान्वयनकेँ निरन्तरता देबाक निर्णयके स्वागत

    एमसिसीअन्तर्गतके योजना कार्यान्वयनकेँ निरन्तरता देबाक निर्णयके स्वागत

    काठमाण्डू, १९ अखारः मिलेनियम च्यालेञ्ज एकाउन्ट नेपाल विकास समिति (एमसिए–नेपाल) मिलेनियम च्यालेञ्ज कर्पाेरेसन (एमसिसी) अन्तर्गतके योजना कार्यान्वयनकेँ निरन्तरता देल जेबाक संयुक्त राज्य अमेरिकी सरकारक निर्णयकेँ स्वागत कएलक अइछ ।

    अमेरिकी वैदेशिक सहयोगमे लागल स्थगनके सन्दर्भमे विशेष छुटअन्तर्गत एमसिसी कार्यान्वयनकेँ निरन्तरता देबाक अमेरिकी सरकारद्वारा कएल गेल उक्त निर्णयकेँ बुधदिन स्वागत कएलक अइछ ।

    एमसिए–नेपाल २९७ किमी विद्युत् प्रसारण लाइन निर्माण तथा सड़क मर्मतसहितके कार्यसम्बन्धी खरिद प्रक्रिया सम्पन्न करब सहित कम्प्याक्ट क्रियाकलाप कार्यान्वयनमे एमसिसीसङे निकटतापूर्वक काज क रहल जनौलक अइछ ।

    एमसिए–नेपाल वैदेशिक सहयोगसम्बन्धी समीक्षासँ पहिने सुरु भ चुकल तीनटा सबस्टेसन एवम् १८ किमी सीमापार प्रसारण लाइन निर्माणसम्बन्धी कार्यकेँ निरन्तरता द रहल अइछ । नेपालके ऊर्जा आ यातायात क्षेत्रके विकासमे महत्वपूर्ण प्रभाव करैबला पूर्वाधार आयोजना सम्पन्न करए लेल प्रतिबद्ध रहल जनौलक अइछ । कम्प्याक्ट कार्यान्वयनक लेल एमसिसीके निरन्तर साझेदारीक लेल एमसिए–नेपाल आभार प्रकट कएलक अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार १९, बिहीबार १३:३०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP