logo
  • २०८२ पुष ३० | Wed, 14 Jan 2026
  • लन्डन जा रहल २४२ यात्री सवार विमान भारतमे दुर्घटनाग्रस्त

    लन्डन जा रहल २४२ यात्री सवार विमान भारतमे दुर्घटनाग्रस्त

    अहमदाबाद (भारत), २९ जेठ (रासस/एएफपी)

    भारतके पश्चिमी शहर अहमदाबादमे वृहस्पैतदिन लन्डन जाएबला यात्री विमान दुर्घटना भेल अइछ । विमानमे दू सओ ४२ यात्री सवार रहल उड्डयन अधिकारीसभ बतौलैन । एयरलाइन्स एकरा ‘दुःखद दुर्घटना’ कहलक अइछ । लन्डन ग्याटविकके लेल उड़ल एयर इन्डियाके फ्लाइट १७१, बोइङ ७८७–८ ड्रिमलाइनर उड़ानके किछ समयक बाद दुर्घटनाग्रस्त भेल अधिकारीसभ बतौलैन । भारतके उड्डयनमन्त्री अहमदाबादमे भेल दुर्घटनासँ स्वयं ‘स्तब्ध आ विक्षिप्त’ भेल बतौलैन । एएफपीके पत्रकार विमानस्थनमे घनघोर कारी धुइयाँ देखलक। भारतके नागरिक उड्डयन प्राधिकरण कहलक, “जहाजमे दू पाइलट आ १० चालक दलके सदस्यसहित दू सओ ४२ व्यक्ति सवार छल ।” विमानमे एक सओ ६९ भारतीय, ५३ बेलायती, सात पोर्चुगाली आ एक क्यानाडाली यात्री सवार रहल एयर इन्डिया जनौलक अइछ । एयर इन्डियाके विमान मेडे कल जारी कएने आ ‘उड़ानके बाद तुरुते दुर्घटनाग्रस्त भेल’ नागरिक उड्डयन महानिर्देशनालयद्वारा कहल गेल अइछ । विमानस्थलके परिधि बाहर विमान दुर्घटना भेल नागरिक उड्डयन प्राधिकरण जनौलक अइछ । भारतके गुजरात राज्यके मुख्य शहर अहमदाबादमे करिब ८० लाख जनसंख्या भेल आ व्यस्त विमानस्थल घना खचाखच आवासीय क्षेत्रसभसँ घेरल अइछ । उड्डयनमन्त्री राम मोहन नायडू किन्जारापु ‘सब उड्डयन आ आपत्कालीन प्रतिक्रिया एजेन्सीसभकेँ द्रुत आ समन्वित कारबाही करबाक’ निर्देशन देलैन । “उद्धार समूह परिचालन कएल गेल छै आ घटनास्थलमे चिकित्सा सहायता आ राहत सहयोग पहुँचेबाक प्रयास भ रहल छै”, ओ कहलैथ, “हमर विचार आ प्रार्थना जहाजमे रहल व्यक्तिकेँ आ हुनकासभके परिवारसङे अइछ ।” एयर इन्डिया दुर्घटनाके पुष्टि कएलक अइछ । “अहमदाबादसँ लन्डन ग्याटविकके लेल उड़ल एयर इन्डियाके फ्लाइट १७१ आइ एकटा दुःखद दुर्घटनामे पड़ल गहिर दुःखके साथमे पुष्टि करैत छी”, एयर इन्डियाक’ अध्यक्ष नटराजन चन्द्रशेखरन कहलैथ, “अपन विचार आ गहिर समवेदना एहि विनाशकारी घटनासँ प्रभावित सबके परिवार आ प्रियजनसभके सङ अइछ ।” एकटा आपत्कालीन केन्द्र सक्रिय कएल गेल आ जानकारी ताकैबला परिवारसभके लेल सहायता समूह गठन कएल गेल ओ बतौलैन । भारत घातक हवाई दुर्घटनासभके शृङ्खलाके सामना कएलक अइछ । एहिमे सन् १९९६के दुर्घटना सेहो समावेश अइछ । तहिया दूटा जेट नयाँ दिल्लीउपर हावामे ठोकर देलासँ करिब तीन सओ ५० व्यक्तिके जान गेल छल । सन् २०१० मे दक्षिण पश्चिम भारतके मङ्गलोर विमानस्थलमे एयर इन्डिया एक्सप्रेसके जेट दुर्घटना भ आइग लागल छल । ओइ दुर्घटनामे एक सओ ६६ यात्री आ चालक दलके सदस्यमध्ये एक सओ ५८ व्यक्तिके मृत्यु भेल छल । दशकौँ पहिने सन् १९८५ जुनमे मन्ट्रियलसँ लन्डन उडेके एयर इन्डिया बोइङ ७४७ आयरल्यान्डके समुद्रमे दुर्घटनाग्रस्त भेल छल । विमानमे तीन सओ २९ गोटे यात्री सवार छल आ सब मइर गेल । उग्रवादी सिखसभ विमानके सामानमे बम राखने एकटा भारतीय आयोग निर्धारण कएने रहए

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २९, बिहीबार २३:५३
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP