काठमाण्डूः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)कु अध्यक्ष तथा पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ राज्यके सब निकायमे समानुपातिक समावेशी सिद्धान्तअनुसार सहभागिता, सार्वजनिक क्षेत्रमे सशक्तीकरण, प्रतिनिधित्व आ सहभागिताके सुनिश्चितता संविधानमे उल्लेख होएब ऐतिहासिक उपलब्धि भेल बतौलैन अइछ ।
छुवाछूतमुक्त राष्ट्र घोषणा भेल १(म् वर्षक अवसरमे आइ शुभकामना सन्देश जारी करैत ओ उक्त बात बतौलैन अइछ । वंशीय विभाजनमे आधारित सामन्ती राज्य व्यवस्था छुवाछूत, विभेद आ उत्पीडनकेँ संस्थागत रूपमे संरक्षण करैत आएल यथार्थविरुद्ध बृहत् शान्ति सम्झौताक बाद २)६३ साल जेठ २१ गते पुनःस्थापित संसद्सँ देशकेँ छुवाछूतमुक्त राष्ट्र घोषणा कएल गेल बतौलैन अइछ ।
संविधानमे छुवाछूत तथा विभेदजन्य कार्यकेँ गम्भीर सामाजिक अपराधक रूपमे व्याख्या भेल उल्लेख करैत अध्यक्ष दाहाल शुभकामना सन्देशमे कहलैन, “दलित समुदायके समुचित उत्थानक लेल विशेष पहल, नीति तथा कार्यक्रम आवश्यक छै ।” रासस
प्रतिक्रिया