logo
  • २०८३ बैशाख १६ | Wed, 29 Apr 2026
  • मन्त्रिपरिषद्द्‌वारा भेल निर्णयसभ

    मन्त्रिपरिषद्द्‌वारा भेल निर्णयसभ

    काठमाण्डू । सरकारद्वारा हाले सम्पन्न मन्त्रिपरिषद् बैसारसभमे अगिला आर्थिक वर्षक बजेट सङ सम्बन्धित विभिन्न ऐन तथा कानूनी प्रस्तावसभ पारित कएल गेल अइछ। इएह जेठ १५ आ १९ गते भेल मन्त्रिपरिषद् बैसारक निर्णयसभ सार्वजनिक करैत सरकारक प्रवक्ता पृथ्वी सुब्बा गुरुङ बजेट सम्बन्धित कानूनी प्रस्तावसभ आ विभिन्न मन्त्रालयसँ सम्बन्धित अन्य निर्णयसभक जानकारी देलैन।

    गुरुङके अनुसार, आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल राजस्व आ व्ययक अनुमान सहित बजेट वक्तव्य सङ्घीय संसद् समक्ष पेश करबाक स्वीकृति मन्त्रिपरिषद्द्‌वारा जेठ १५ गते देल गेल छल। तहिना, सेवा आ कार्य संचालन लेल सङ्घीय सञ्चित कोषसँ खर्च विनियोजन करबाक सम्बन्धमे बनेल विधेयक, राष्ट्र कर्जा उठेबाक अधिकार सम्बन्धी विधेयक, आ अर्थसम्बन्धी प्रस्तावसभ कार्यान्वयन करबाक विधेयक सङ्घीय संसदमे पेश करबाक स्वीकृति सेहो देल गेल छल।

    तकर अतिरिक्त, सामयिक कर असुल ऐन, २०१२ अन्तर्गत दफा ३ बमोजिम सूचित आदेश जारी करबाक, भन्सार महसुल ऐन, २०८१ अन्तर्गत दफा १३के उपदफा (३) बमोजिम सूचना जारी करबाक आ दूनू सूचना नेपाल राजपत्रमे अतिरिक्ताङ्क रूपमे प्रकाशित करबाक निर्णय मन्त्रिपरिषद्द्‌वारा लेल गेल अइछ।

    मूल्य अभिवृद्धि कर, अन्तः शुल्क, आयकर, भन्सार, भन्सार महसुल आ मदिरासम्बन्धी विभिन्न संशोधन नियमावली २०८२ पारित करबाक आ तिनकर सूचना नेपाल राजपत्रमे प्रकाशन करबाक निर्णय सेहो भेल अइछ। नेपाल प्रहरीक रिक्त प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक पदमे प्रहरी नायव महानिरीक्षक सिद्धि बिक्रम शाहक बढुवा करबाक, सड़क सुरक्षा, हुलाक सेवा, गोरखापत्र संस्थान आ राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) सम्बन्धी विधेयकसभ तर्जुमा लेल सिद्धान्त स्वीकृति देबाक निर्णय सेहो भेल अइछ।

    जेठ १९ गतेक मन्त्रिपरिषद् बैसारमे अष्ट्रियाके भियनामे अखार ३ गते होएबला ओपेक विकास कोष फोरममे अर्थ मन्त्रालयक सचिवकेँ सहभागी होबाक स्वीकृति देल गेल अइछ।

    तहिना, थाइल्याण्डक राजधानी बैंककमे अखार ४सँ ६ गतेधैर होएबला ‘हेन्ड इन हेन्ड इन्भेस्टमेन्ट डाइलग फर एसिया एन्ड द पेसिफिक’ कार्यक्रममे कृषि तथा पशुपन्छी विकासमन्त्री रामनाथ अधिकारीक सहभागिता लेल स्वीकृति देल गेल अइछ। नेपाली सेनामे एगो प्रमुख सेनानीकेँ महासेनानी पदमे बढुवा, दशटा महासेनानीकेँ सरुवा आ एगो महासेनानीक राजीनामा स्वीकृत करबाक निर्णय सेहो भेल अइछ।

    तकरा सङ सङे, अखार २सँ ९ गते जर्मनीमे होएबला युनाईटेड नेशन्स क्लाइमेट चेन्ज कन्फ्रेन्स, एसबी ६२मे वन तथा वातावरण मन्त्रालयक सचिवकेँ सहभागी बनेबाक स्वीकृति देल गेल अइछ।

    तहिना, जेठ २८सँ ३० गते जनवादी गणतन्त्र चीनक बेइजिङमे होएबला बेजिङ्ग सिबीडी मल्टिनेश्नल इन्टरप्राइजेज कन्फ्रेन्स एन्ड एसियन मेयर्स फोरममे ललितपुर महानगरपालिकाके प्रमुख चिरीबाबु महर्जनकेँ सहभागी बनेबाक स्वीकृति सरकारद्वारा देल गेल अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २१, बुधबार २३:२२
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP