logo
  • २०८२ माघ ६ | Tue, 20 Jan 2026
  • राज्यके चारिम अंगमे महिलाक पहुँच आ भूमिका एखनो कम : पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी

    राज्यके चारिम अंगमे महिलाक पहुँच आ भूमिका एखनो कम : पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी

    झापा,पूर्वराष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी राज्यक चारिम अंग मानल जाएबला आमसञ्चार क्षेत्रमे महिलाक पहुँच आ भूमिका एखनो न्यून रहल बतौलैन अइछ।

    विर्तामोडमे नारी सञ्चार गृह झापाद्वारा आयोजित अक्षयकोष घोषणा, पुस्तक विमोचन आ दाता सम्मान कार्यक्रममे सम्बोधन करैत पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी कहलैन “आमसञ्चार क्षेत्रमे महिला सहभागिता क्रमशः बइढ़ रहल छै मुदा संख्यात्मक दृष्टिसँ महिलाक उपस्थिति एखनो कम अइछ। समाचार सम्पादन, निर्णय आ नीतिनिर्माण स्तरमे महिलाक पहुँच आ भूमिका सीमित छै आ नेतृत्व तहमे सेहो महिला प्रतिनिधित्व बहुत कमे अइछ।”

    पूर्वराष्ट्रपतिद्वारा कहल गेल जे जनसङ्ख्याक आधा हिस्सा महिलासँ जुड़ल मुद्दासभकेँ प्रभावकारी रूपसँ उठेबामे महिला पत्रकारक भूमिका महत्वपूर्ण रहैत छै।

    ओ कहलैन, “महिला स्वयंद्वारा प्रत्यक्ष अनुभव कएल, नजदीकसँ देखल आ जीवनक विभिन्न चरणमे भोगल मुद्दापर आधारित रिपोर्टमे अधिक संवेदनशीलता, अपन पहिचान आ यथार्थ झलकैत अइछ।“

    ओ अपन सम्बोधनमे कहलैन जे चुनौतीपूर्ण परिस्थितिक बादो महिला पत्रकारसभ जे पेशागत दृढता, आत्मबल आ सामाजिक परिवर्तनक प्रति लगाव आ प्रतिवद्धता देखेने छैथ, से प्रशंसनीय अइछ।

    एहि अवसरमे पूर्वराष्ट्रपति भण्डारीद्वारा नारी सञ्चार गृह झापाक अक्षयकोषमे सहयोग देनिहार दातासभकेँ सम्मानपत्र प्रदान कएल गेल। सङे, ओहि संस्थाद्वारा प्रकाशित ’सञ्चारमे नारी’ पुस्तकके विमोचन सेहो कएल गेल।

    संस्थाक अक्षयकोषमे ५० लाख टा पहुँचल नारी सञ्चार गृहक अध्यक्ष रेजिना गौतम जानकारी देलैन अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २५, आईतवार २२:०९
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP