logo
  • २०८२ फाल्गुन ४ | Mon, 16 Feb 2026
  • एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे नन्दनके डेब्यू

    एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे नन्दनके डेब्यू

    काठमाण्डू, २७ जेठः मध्यम गतिके बलर नन्दन यादव स्कटल्याण्डमे सञ्चालन भ रहल एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे नेपाली राष्ट्रिय टोलीसँ डेब्यू केलक अइछ ।

    आइसिसी क्रिकेट विश्वकप लिग–२ अन्तर्गत नेदरल्यान्ड्विरुद्धके आजुक खेलमे यादव डेब्यू कएने अइछ । हनुका नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीक सहायक प्रशिक्षक ज्ञानेन्द्र मल्ल डेब्यू क्याप हस्तान्तरण कएने अइछ । एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीसँ डेब्यू करैबला ४२म् खेलाड़ी छैथ । जारी सिरिजमे अइसँ पहिनुकवा तीन खेलमे यादव खेलबाक मौका नै भेटल छल ।

    तीव्र गतिके बलर सोमपाल कामी घायल भेलाक बाद ओ खेलबाक मौका भेटल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) क प्रवक्ता छुम्बी लामाके अनुसार सोमपाल अभ्यासके क्रममे घायल भेल अइछ । अभ्यासके क्रममे हुनकासङे गुल्सन झा सेहो घायल भेल अइछ । सोमपालके दहिना हातमे तथा गुल्सनके घुट्ठीमे चोट लागल अइछ ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २७, मंगलवार १९:४४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP