काठमाण्डू, १ अखारः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली निष्पक्षता कायम करबाक मामिलामे लोक सेवा आयोगप्रति जनताक विश्वास प्रबल रहल बतौलैन अइछ ।
आयोगके हीरक जयन्तीक अवसरमे आइ आयोजित समारोहमे प्रधानमन्त्री ओली योग्यता, निष्पक्षता आ स्वच्छताक आधारपर निजामती, सुरक्षा निकाय सहित संगठित संस्थामे पदपूर्तिक लेल आयोगक योगदानक प्रशंसा करैत कहलैन, “नेपाल आ नेपालीक चाहनाअनुसार आवश्यक जनशक्तिक छनाैट करबाक मामिलामे आयोगे परीक्षा प्रणालीके सुधार करैत एकरा प्रविधिमैत्री आ समयसापेक्ष बनौलक, से जानकारी पाइब हमरा खुशी लागल।”
प्रधानमन्त्री ओली आगू कहलैन, “आयोगकेँ आओरो साधन–स्रोतसँ सम्पन्न बनेबाक, प्रविधिमैत्री बनेबाक सङे वार्षिक प्रतिवेदनमे दिइल सुझावसभके कार्यान्वयन करबाक दिशामे सम्बन्धित निकाय धीयान देबाक चाही । सरकार अपन दिससँ आवश्यक सहजीकरणमे सदैव तत्पर रहत।”
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल प्रमुख अतिथि रूपमे उपस्थिति रहल उक्त कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री ओली विश्वास प्रकट कएलैन जे लोक सेवा आयोग योग्यता, निष्पक्षता आ स्वच्छता कायम राइख युवापुस्तामे विश्वासक वातावरण बनबैत राष्ट्रसेवामे प्रेरणा देबाक निरन्तर भूमिका निर्वाह करत । रासस
प्रतिक्रिया