महेन्द्रनगर (धनुषा), ५ अखारः धनुषा जिलामे बाली जोगेबाक लेल खेतमे जड़ान कएल गेल विद्युतीय तारमे करेन्ट लेल एक गोटेक मृत्यु भ गेल अइछ। मिथिला नगरपालिका–१ ढल्केबर निवासी ५० वर्षीय मङ्गलीदेवी महतोकेँ करेन्ट लेल मृत्यु भेल जानकारी इलाका प्रहरी कार्यालय ढल्केबरद्वारा देल गेल अइछ। कार्यालयक प्रहरी निरीक्षक जटाशङ्कर यादवक अनुसार मङ्गलीदेवी तरकारीबारीमे काज करैत रहैथ, ताहि क्रममे खेतमे जड़ान कएल गेल तार छूइब क हुनकर घटनास्थलपर मृत्यु भ गेल। ओ कहलैन, “किछु किसानसभ जङ्गली जानवरसँ तरकारी आ अन्य बाली जोगेबाक लेल खेत चारूकात विद्युतीय तार ताइन, ओहिमे करेन्ट प्रवाह क राखैत छैथ। मङ्गलीदेवी ओहि तारकेँ छूइबा गेल, ताहिसँ हुनका करेन्ट लाइग गेल।” मृत महिलाक शव पोष्टमार्टम लेल प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाम पठाएल गेल आ घटनासम्बन्धी आओर विस्तृत अनुसन्धान जारी रहल धनुषा प्रहरी प्रवक्ता बरुण सिंह जनौलक अइछ
प्रतिक्रिया