कीर्तिपुर (काठमाण्डू), २२ अखारः कीर्तिपुरस्थित क्रिकेट मैदानके प्यारापिटमे सिट जड़ान कार्य सुरू भेल अइछ ।
रङ्गशालाकेँ अन्तर्राष्ट्रीयस्तरके बनाएब आ राइतमे खेल सञ्चालन करेबाक लेल बितल फागुनसँ काज सुरू भेल अइछ । एकर पहिल चरणमे १० हजार दर्शक क्षमताके प्यारापिट निर्माण आ आठ टा फ्लडलाइट जड़ान कएल जा रहल छै ।
निर्माणके जिमा मिलल बिजी कन्स्ट्रक्सनके इञ्जिनियर सुनील शाहके अनुसार प्यारापिटमे पियर, उजर, बैजनी, हरियर, नील आ सम्तोला क पाँच रङके कुर्सी जड़ान हएत । प्यारापिटकेँ रङ्गशालाके पश्चिमदिस छ आ पूर्वदिस दू सहित आठ खण्डमे विभाजन कएल गेल अइछ । प्रत्येक खण्डमे ६५२ कुर्सी राखल जाएत ।
प्रतिक्रिया