वीरगञ्ज (पर्सा), १४ चैतः भारत सरकारद्वारा १९ टा वान टन सवारीसाधन नेपाल सरकारकेँ हस्तान्तरण कएल गेल अइछ।
वीरगञ्ज स्थित भारतीय महावाणिज्य दूतावासक वाणिज्यदूत मनिष कुमार दास आइसिपी स्थित वीरगञ्ज भन्सार परिसरमे पर्साक सहायक प्रमुख जिला अधिकारी सुमन कुमार कार्कीकेँ १९ टा वान टन सवारीसाधन हस्तान्तरण केलैन। सरकारक आग्रह अनुसार ओ सवारीसाधन सहयोग बापत उपलब्ध कराएल गेल दूतावास जनौने अइछ।
पर्साक सहायक प्रजिअ कार्की सवारीसाधन उपलब्ध करेबाक लेल भारत सरकार प्रति आभार व्यक्त करैत ओ सवारीसाधन गृहमन्त्रालय दिस पठाएल गेल जानकारी देलैन।
विज्ञापन

प्रतिक्रिया