logo
  • २०८२ पुष २९ | Tue, 13 Jan 2026
  • कबीर दिवसमे १५ जोडीके दहेज मुक्त विआह

    कबीर दिवसमे १५ जोडीके दहेज मुक्त विआह

    जनकपुरधाम, २८ जेठ : ६२८म् कवीर प्रकट अर्थात सन्त कवीर जयन्तीके अवसरमे १५ नव जोडीके एकेटा मञ्चमे दहेज मुक्त विआह सम्पन्न भेल अइछ । विआहित मध्ये नौ जोडी नेपालसँ तथा छ जोडी भारतसँ अइछ।  दहेज प्रथाके गहिर प्रभावमे रहल मधेश प्रदेशमे ई आदर्श विआह समाजमे सकारात्मक उदाहरण स्थापित करबाक आश्रमके असुर निकन्द रमैणी बतौलैन । मिथिला नगरपालिका–२ वेलाचापीस्थित सतलोक आश्रममे कवीर प्रकट दिवसके अवसरमे विगत तीन दिनसँ सञ्चालित समारोहमे सामाजिक, धार्मिक तथा सेवामूलक सङे विशाल भण्डारा, रक्तदान, निःशुल्क भोजनसहित कार्यक्रम कएल गेल अइछ । वैदिक उच्चारणसहित विआह कार्यक्रम १७ मिनेटमे सम्पन्न भेल छल । कार्यक्रममे सहभागी नव जोडी तथा हुनकर अभिभावक एहि किसिमके विआह समाजमे सकारात्मक सन्देश जेबाक प्रतिक्रिया देलैन । सतलोक आश्रम अगिला दिनमे सामाजिक उत्थानक एहन कार्यक्रमकेँ एखनो आगू बढ़ेबाक चाही पर्साके वहुदरमाई नगरपालिकाकी उपप्रमुख सुष्मा कुमारी कुशवाहा बतौलैथ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ २८, बुधबार २३:१४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP