logo
  • २०८२ पुष ३० | Wed, 14 Jan 2026
  • ‘प्राप्त अधिकारके प्रभावकारी कार्यान्वयन लेल मधेशी समुदाय एकजुट होएबाक आवश्यकता’

    ‘प्राप्त अधिकारके प्रभावकारी कार्यान्वयन लेल मधेशी समुदाय एकजुट होएबाक आवश्यकता’

     

    काठमाण्डू, ३१ जेठः महिला, बालबालिका तथा ज्येष्ठ नागरिक मन्त्री नवलकिशोर शाह सुड़ी प्राप्त अधिकारसभकेँ संस्थागत करबाक सङे तकर प्रभावकारी कार्यान्वयन लेल मधेशी समुदायकेँ एकजुट होएबाक आवश्यकतापर जोड़ देलैन। सुडी समाज काठमाण्डू, महिला उपसमितिद्वारा आयोजित ‘स्तन तथा गर्भाश्यद्वारके क्यान्सरसम्बन्धी निःशुल्क प्रशिक्षण’ कार्यक्रममे मन्त्री सुड़ी कहलैन जे विगतक तुलनामे कार्यपालिका, न्यायपालिका आ व्यवस्थापिकासहित राज्यक अधिकांश संरचनामे मधेशी समुदायक सहभागिता बढ़ल छै, मुदा आओर अधिकार प्राप्तिक लेल एकताबद्ध भ संयुक्त रूपमे प्रयास करब आवश्यक अइछ। ओ कहलैन, “मधेशमे भेल लम्बा संघर्ष आ बलिदानसँ मधेशी समुदाय किछु हक-अधिकार प्राप्त कएलकै, नीति निर्माण तहमे सेहो सहभागिता बढ़ल छै, मुदा बहुते महत्वपूर्ण अधिकारसभ प्राप्त नै भेलै। ताहि लेल समुदाय एकजुट होएबाक जरूरी छै।” समाजक विकास, उत्थान आ उन्नतिक लेल मधेशी समुदायकसभ व्यक्ति जे जहिया छैथ से एकतामे आइब क लागबाक बात कहैत मन्त्री सुड़ी राजनीतिक, सामाजिक, आर्थिक आ शैक्षिक दृष्टिसँ सशक्त समाज निर्माणमे समाजकेँ मार्गदर्शकक भूमिका निर्वाह करबाक विश्वास व्यक्त कएलैन। नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) नेतृ आ प्रतिनिधिसभा सदस्य जुली कुमारी महतो कहलैन जे मधेशी महिलाक आर्थिक, सामाजिक, राजनीतिक आ शैक्षिक विकास सहित समग्र प्रगतिसँ राज्यकेँ लगानी करबाक आवश्यकता अइछ। महिलामे होएबला स्तन आ पाठेघरक क्यान्सरकेँ लक्षण आ इलाजबारे डाक्टरसँ संवादक माध्यमसँ जागरूकता बढ़ेबाक उद्देश्यसँ ई कार्यक्रम आयोजित कएल गेल सुडी समाज काठमाण्डूक अध्यक्ष शीतलप्रसाद महतो जानकारी देलैन अइछ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ जेष्ठ ३१, शनिबार २३:२५
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP