मोरङ, २ अखार : कोशी प्रदेश सरकारक आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री रामबहादुर मगर अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ क लेल आनल बजेट यथार्थपरक आ सन्तुलित रहल बताैलैन अइछ ।
कोशी प्रदेश सरकार रैवदिन प्रदेशसभामे पेश कएल बजेटबारे जानकारीक लेल आइ मन्त्रालयमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे मन्त्री मगर अगिला आर्थिक वर्षक लेल प्रदेश सरकार कृषि, स्वास्थ्य, सड़क पूर्वाधार, सिँचाइ तथा ऊर्जा, सवारी अनुमतिपत्र, विपद् व्यवस्थापनसहित क्षेत्रमे नयाँ–नयाँ कार्यक्रम आनल गेल बतौलैन ।
ओ २०८२ पर्यटन वर्षक रूपमे रहल आ हालसाले भेल लगानी सम्मेलनमे निजी क्षेत्रके उत्साहकेँ मध्यनजर क उद्योग स्थापना, रुग्ण उद्योगकेँ पुनर्जीवन आ पर्यटन प्रवर्द्धनकेँ सहयोग पुग्नेगरी प्रदेश सङ्कलन करब राजस्वमे विभिन्न किसिमके छुटके व्यवस्था कएल गेल जानकारी देलैन अइछ । मन्त्री मगर अगिला वर्षमे प्रदेश सरकार प्रस्ताव कएल सुधारसँ आन्तरिक राजस्व वृद्धि भ पाँच अरब ५० करोड़ टका पहुँचबाक अनुमान रहल बतौलैन । बजेट प्रस्ताव कएल कार्यक्रम तथा सुधारसँ प्रदेशक विकासमे सहयोग पहुँचबाक विश्वास रहल बतौलैन ।
प्रदेश सरकार रैवदिन प्रदेशसभामे अगिला वर्षके लेल ३५ अरब ८७ करोड़ ९९ लाखके बजेट प्रस्तुत कएने छल । बजेटमे प्रदेश सरकारक आन्तरिक राजस्वसँ पाँच अरब ५० करोड़ टका, राजस्व बाँडफाँटसँ १२ अरब ३९ करोड़ ६० लाख टका, सङ्घसँ वित्तीय समानीकरण अनुदानसँ आठ अरब ९८ करोड़ ३४ लाख टका, ससर्त अनुदानसँ चाइर अरब ५७ करोड़ १० लाख टका, समपूरक अनुदानसँ ३९ करोड़ टका, १७ लाख आ विशेष अनुदानसँ ५५ करोड़ ७२ लाख टका राजस्व तथा वित्तीय हस्तान्तरणसँ क ३२ अरब ७४ करोड़ ९९ लाख टका आ रोयल्टीसँ प्राप्त होएबला नगदसँ ३५ करोड़ छ लाख खर्च कएल जाएबला आ बाँकी अपुग नगद तीन अरब १३ करोड़ नगद मौज्दातसँ पूर्ति कएल जेबाक उल्लेख अइछ ।रासस
यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
प्रतिक्रिया