काठमाण्डू, २ अखारः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे तोड़फोड़ आ हिंसात्मक गतिविधि करैबलाकेँ कानुनी कारबाही करए लेल गृहमन्त्री रमेश लेखककेँ निर्देशन देलैन अइछ ।
विश्वविद्यालयके पदाधिकारीसङे आइ सिंहदरबारमे भेल उक्त बातचितमे विश्वविद्यालयक कुलपति प्रधानमन्त्री ओली तोड़फोड़मे संलग्न कियो भेलोपर निजकेँ उन्मुक्ति नै मिलै से विषयमे गृहमन्त्री लेखककेँ ध्यानाकर्षण कराएल गेल जानकारी देलैन।
विश्वविद्यालयक निमित्त उपकुुलपति प्रा डा खड्ग केसी कुलपति ओलीकेँ विश्वविद्यालयमे सुरक्षा व्यवस्था सुदृढ क शान्तिपूर्ण वातावरण बनाबए पड़त लिखितपत्र प्रस्तुत करैत स्वयंसभ तोडफोडमे संलग्नकेँ कारबाहीक लेल प्रहरीमे उजुरी देलोपर पकड़ाएल दोषीसभकेँ रिहा कएल गेलासँ चिन्ता व्यक्त कएलैन । असुरक्षाक कारण हाल विश्वविद्यालयके पदाधिकारी कीर्तिपुर बाहरेसँ सेवा सञ्चालन क रहल अवगत कराैलैन ।
निमित्त उपकुुलपति केसी कुलपति ओलीके पहलसँ अपनासभकेँ सुरक्षाके प्रत्याभूतिके आश जागल राससकेँ जानकारी देलैन । वितल फागुन २१ गते कीर्तिपुरस्थित विश्वविद्यालयके शिक्षाध्यक्ष आ विज्ञान तथा प्रविधि अध्ययन संस्थानके डीनके कार्यालय तथा प्रदर्शनीमार्गस्थित रत्न राज्यलक्ष्मी क्याम्पसमे आ बितल जेठ १४ गते कीर्तिपुरस्थित उपकुलपतिके कार्यालयमे तोड़फोड़ भेल छल ।
प्रतिक्रिया