logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • धनुषामे आँम महोत्सव

    धनुषामे आँम महोत्सव

    निरन्जन साह

     महेन्द्रनगर (धनुषा), १३ अखारः धनुषामे दूदिनक आँम महोत्सव आयोजन हएत । धनुषाक बटेश्वर गाउँपालिका–१, चित्रपुरमे इएह अखार १४ आ १५ गते चित्रपुर म्याङ्गो एग्रो टुरिजम बोर्डके आयोजनमे ‘चित्रपुर आँम मेला महोत्सव– २०८२’ होएबला अइछ ।

    स्थानीय आँम प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्य मेला आयोजना कएल गेल चित्रपुर म्याङ्गो एग्रो टुरिज्म बोर्डके अध्यक्ष प्रदीप महतो बतौलैन । ओ चित्रपुरकेँ ‘आँम पर्यटन नाका’के रूपमे विकास करबाक लक्ष्य रहल सेहो बताैलैन ।

    प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण कार्यक्रमअन्तर्गत आँम पकेट जोन घोषणा कएलोपर किसानसभ बजारीकरण नै भ सकल कहैत छैथ । दोसर बेर आयोजन भ रहल मेलामे ४० सँ बेसी जाइतके आँम तथा आँमसँ बनल विभिन्न परिकार जुस, अचारके प्रदर्शनीमे राखल जाएत । मेलामे आबैबला पर्यटककेँ निःशुल्क आँम खुवेबाक, फूलबाइर घुमेबाक, गाछीसँ आँम तोड़बाक अनुभव प्रदान करब आ विद्यार्थीकेँ विभिन्न जातके आँम चिन्हाएब कार्यक्रममे समावेश कएल गेल अध्यक्ष महतो बताैलैन ।

    हाल चित्रपुर क्षेत्रमे ३०० बिघासँ बेसी जमिनमे पसरल आँमके फूलबाइरमे उत्पादन भ रहल अइछ । मधेश प्रदेशक भूमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी मन्त्रालयक प्रवक्ता सरोज चौधरीक अनुसार मधेश प्रदेश देशक कुल आँम उत्पादनमे ७७.१ प्रतिशत योगदान दैत आएल बतौलैन ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार १३, शुक्रबार १८:२०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP