logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • हमर लक्ष्य मिशन–८४ छै, अवरोध कएनिहारके हिसाब होएत : प्रधानमन्त्री

    हमर लक्ष्य मिशन–८४ छै, अवरोध कएनिहारके हिसाब होएत : प्रधानमन्त्री

     

    काठमाण्डू, १४ अखारः प्रधानमन्त्री एवम् नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क अध्यक्ष केपी शर्मा ओली पार्टीक महाधिवेशनके समय नै भेल, कतोको स्वार्थी तत्वसभ भीतरसँ महाधिवेशनके व्यवहार जकाँ क रहल कहलैन ।

    जननेता मदन कुमार भण्डारीक ७४म जन्मजयन्तीक अवसरमे चन्द्रागिरी नगरपालिका–१३, कङ्कालीमे आयोजित राष्ट्रिय युवा सङ्घक वृक्षारोपण कार्यक्रम उद्घाटन करैत अध्यक्ष ओली कहलैन “पार्टीक लक्ष्य एकल बहुमत सहित ‘मिशन–८४’ अइछ आ एहि लक्ष्यमे अवरोध कएनिहारक हिसाब-किताब जरूर कएल जाएत ।” ओ कहलैन, “हम अर्जुन दृष्टिसँ मिशन–८४क अभियानमे अग्रसर छी । हमर स्वार्थ देशक समृद्धि, विकास आ सुशासन छी । एहन समयमे जत सब एकजुट भ आगू बढ़बाक चाही, ओत महाधिवेशन नै भ महाधिवेशनमे गेल जकाँ करब जरूरी नै अइछ ।”

    ओली आगू कहलैन, “हमर कार्यकर्तासभकेँ महाधिवेशन नै चढल छै, किछु स्वार्थी तत्वकेँ मात्र चढल अइछ । हमसभ ओहनके पाछाँ नै चलब ।”

    प्रधानमन्त्री ओली कहलैन जे शिक्षक, विद्यार्थी आ अभिभावकसभक कठिन मेहनतसँ एहि वर्षके एसइई नतिजामे बितल वर्षक तुलनामे १४ प्रतिशतसँ बेसी विद्यार्थी सफल भेल छैथ आ अगिला वर्ष आओर बेसी सुधार आनबाक लक्ष्यसँ काज कएल जाएत । मौका परीक्षामे सहभागी होएबला छात्रसभ आ अगिला एसइई परीक्षा लेल देशभैर प्रमुख विषयसभमे निःशुल्क अनलाइन कक्षा सञ्चालन कराएल जेबाक ओ जानकारी देलैन ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ असार १४, शनिबार १८:०८
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP