काठमाण्डू, १७ अखारः एसिसी पुरुष यु–१६ पूर्वी क्षेत्रीय क्रिकेट प्रतियोगितामे समूह चरणके अन्तिम खेलमे नेपाल भुटानकेँ सहजे पराजित कएलक अइछ । आइ भेल खेलमे नेपाल भुटानकेँ दू सओ ९८ रनके अन्तर हराएलक अइछ ।
मलेसियाके सेलाङ्गोर टर्फ क्लबके मैदानमे नेपाल टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने छल । नेपाल निर्धारित ५० ओभरके खेलमे रौनक श्रीवास्तवके शतकीय पारीके मद्दतसँ पाँच विकेटके क्षतिमे तीन सओ ५८ रन बनेलक । श्रीवास्तव एक सओ ६८ रनके योगदान देलक । ओ एक सओ ३२ बल खेलबाक क्रममे पाँच छक्का आ १६ चौका प्रहार कएलक । एहिना जोय थापा अविजित ६१, शिवान्स बजगाईँ ५४ तथा सुगम बुढाथोकी ३५ रन बनेलक ।
बलिङदिस भुटानके सञ्जय दोर्जे तीन तथा तेन्जिन लोडे एक विकेट लेलक । तीन सओ ५९ रनके विशाल लक्ष्य देने भुटान ३२ दशमलव ४ ओभरमे ९ विकेट क्षतिमे मात्र ६० रन बनेलक । भुटानके लेल सुजन दावा १४ तथा उयोग छोफेल १० रन बनेलक ।
बलिङदिस नेपालके लेल कप्तान विपिनप्रसाद शर्मा १० ओभरमे ७ रन द क ४ विकेट लेलक । एहिने सचिन भट्ट आ सुयोग भट्टराई दू दू विकेट लेलक । नेपाल समूह चरणके चारु टा खेलमे विजेता बनल समूह ‘ए’के शीर्ष स्थानमे सेमिफाइनलमे प्रवेश कएलक अइछ ।
ओइ समूहसँ दोसर स्थानमे रहल सिङ्गापुर सेहो सेमिफाइनलमे पहुँचल अइछ । एहिने समूह ‘बी’सँ हङकङ शीर्ष स्थानमे रहैत तथा मलेसिया दोसर स्थानमे रहैत सेमिफाइनलमे प्रवेश कएलक अइछ ।
नेपाल आब वृहस्पैतदिन सेमिफाइनमे मलेसियासङ खेलबाक अइछ । नेपाल प्रतियोगिताके डिफेन्डिङ च्याम्पियन अइछ । नेपाल सन् २०२३ मे भेल प्रतियोगितामे फाइनलमे मलेसियाकेँ हराबैत उपाधि जीतल छल । एसियाली क्रिकेट परिषद् (एसिसी)के आयोजनमे जारी प्रतियोगितामे नेपालसहित १० राष्ट्र सहभागी छल । समूह ‘ए’ मे नेपालसहित सिङ्गापुर, इन्डोनेसिया, भुटान आ जापान तथा समूह ‘बी’ मे आयोजक मलेसियासहित हङकङ, माल्दिभ्स, थाइल्याण्ड आ म्यानमार छल ।
प्रतिक्रिया