चन्द्रपुर (रौतहट), ८ अगहनः जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव अइगला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे निश्चिन्त भ क मतदान करबाक माहोल बनेबाक लेल सरकारसँ आग्रह केलैन अइछ ।
जसपा रौतहटद्वारा रैबदिन दुर्गाभगवती गाउँपालिका–४ मे आयोजित भेलामे ओ सरकारद्वारा चुनाव घोषणा भेलाक बादो अखनके अवस्थामे चुनावक माहोल बनत तइमे द्विविधा भेल धारणा राखलैन । मतदाता निश्चिन्त भ मतदानस्थलपर जा क मतदान क सकबाक माहोल बनेबा लेल सरकारके अपन सम्पूर्ण ध्यान केन्द्रित करबापर ओ जोड़ देलैन । “नेपालक इतिहासमे पहिल बेर प्रहरीके मनोबल कमजोर बनेबाक काज भेल छै । निर्वाचनमे सुरक्षा देनिहार प्रहरीके मनोबल मजबुत नै बनाओल गेल तँ समस्या हएत । तइ सरकारके ओइदिस बेसी ध्यान देबाक चाही”, ओ कहलैन,“सरकार सेना परिचालन क चुनाव कराएब कहि रहल छै । जे लोकतान्त्रिक नै हएत ।
लोकतन्त्रमे सेना परिचालन क चुनाव नै कएल जाइत छै, विश्वके कोनो लोकतान्त्रिक देशमे सेना परिचालन क चुनाव नै भेल छै ।” नेपालमे बहुदलीय व्यवस्था लागू भेल ३५ वर्ष बितलाक बादो पैघ दल निरन्तर सरकारक नेतृत्व करैत अएलाक बादो देशमे खासे परिवर्तन नै भेलाक कारण ‘जेनजी’ प्रदर्शनक अवस्था आएल अध्यक्ष यादवके कहब छलैन । अइगला निर्वाचन देशक भविष्य परिवर्तन करैबला महत्त्वपूर्ण विकल्प भेल ओ बतौलैन ।
जसपाके रौतहट अध्यक्ष राजीव रञ्जन (राजु यादव) के अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे पार्टीक केन्द्रीय उपाध्यक्ष गोविन्द चौधरी, केन्द्रीय सदस्य एवं मधेश प्रदेशक पूर्व कृषि राज्यमन्त्री योगेन्द्र राय यादव, पूर्वमन्त्री शेख फुलबाबु, केन्द्रीय नेता किशोरी यादव, राष्ट्रिय सभा सदस्य पूजा चौधरी, प्रदेश सांसद शोभा देवी, महिला नेत्री किरण ठाकुर, युवा नेता राज कुमार दासलगायत अपन धारणा व्यक्त केलैन ।रासस
प्रतिक्रिया