logo
  • २०८२ पुष ३० | Wed, 14 Jan 2026
  • एनपिएलः लुम्बिनी प्लेअफमे, जनकपुर, पोखरा आ चितवन बहार

    एनपिएलः लुम्बिनी प्लेअफमे, जनकपुर, पोखरा आ चितवन बहार

    काठमाण्डू, १९ अगहनः दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) मे लुम्बिनी लायन्स प्लेअफमे पहुँचनिहार अन्तिम समूह बनल अइछ । आजुक खेलमे लुम्बिनी जनकपुर बोल्ट्सकेँ चाइर विकेटसँ हराबैत प्लेअफमे पहुँचल छै ।

    लुम्बिनी प्लेअफमे गेलासँ जनकपुर, पोखरा एभेन्जर्स आ चितवन राइनोज एक खेल होएसँ पहिने खेलसँ बहराएल छै । अइसँ पहिने सुदूरपश्चिम रोयल्स, काठमाण्डू गोर्खाज आ विराटनगर किङ्स प्लेअफमे पहुँचल अइछ ।

    आजुक खेलमे जनकपुरके देल १३३ रनके लुम्बिनी १९ दशमलव पाँच ओभरमे छ विकेटके क्षतिमे पूरा कएने अइछ । लुम्बिनीक कप्तान रोहित पौडेल सर्वाधिक ३४ रन बनाैने अइछ । बलिङमे जनकपुरक सङ्गीथ कुरे तीन विकेट लेलक ।

    अइसँ पहिने त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशाला कीर्तिपुरमे टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने जनकपुर निर्धारित २० ओभरमे छ विकेटके क्षतिमे १३२ रन बनाैने छल । जनकपुरक लेल सङ्गीथ कुरे सर्वाधिक ४५, मयन यादव २७, आशिफ शेख २० रनके योगदान केलक अइछ । लुम्बिनीक कप्तान पौडेल आ शेर मल्ल समान दू/दू विकेट खसेलक ।

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ मंसिर १९, शुक्रबार २२:४३
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP