logo
  • २०८२ पुष १५ | Tue, 30 Dec 2025
  • स्थानीयतह: समपूरक आ विशेष अनुदानक आयोजना प्रस्ताव करबाक लेल आग्रह

    स्थानीयतह: समपूरक आ विशेष अनुदानक आयोजना प्रस्ताव करबाक लेल आग्रह

    काठमाण्डू। सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय गाउँपालिका आ नगरपालिकाकेँ सङ्घीय समपूरक अनुदान आ विशेष अनुदानक कार्यक्रम प्रस्ताव करबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।

    समपूरक अनुदानसम्बन्धी (पहिल संशोधन) कार्यविधि, २०८२ आ विशेष अनुदानसम्बन्धी (पहिल संशोधन) कार्यविधि, २०८२ मे व्यवस्था भेल बमोजिम प्रदेश सरकार आ स्थानीय तहसँ प्रस्ताव आह्वान कएल गेल अइछ ।

    नयाँ आर्थिक वर्षके बजेट निर्माणक लेल माघ महिना भीतर समपूरक आ विशेष अनुदानअन्तर्गत संचालन होएबला कार्यक्रमक लेल प्रस्ताव पेस करबाक समयसीमा निर्धारण कएल गेल अइछ । ओएह आधारमे अनुदान कार्यक्रमअन्तर्गत कार्यावंयन होएबला आयोजना आ कार्यक्रमक लेल प्रस्तावसहित विवरण तैयार क पेस करबाक लेल मन्त्रालय कहने अइछ ।

    ओ प्रस्ताव आबैबला माघ महिना भीतर राष्ट्रिय योजना आयोग संचालनमे लौने विद्युतीय प्रणालीमार्फत पेस करए मन्त्रालय आग्रह कएने अइछ । बजेट निर्माणक लेल विभिन्न समयसीमा निर्धारण कएल गेल अइछ । ओएह आधारमे माघ महिना भीतर समपूरक आ विशेष अनुदानक लेल कार्यक्रम आ आयोजना प्रस्ताव करए पड़त । संविधानअनुसार हरेक वर्षके जेठ १५ गते अर्थात् गणतन्त्र दिवसके दिन सङ्घीय सरकारक अर्थ मन्त्रीके बजेट प्रस्तुत करबाक व्यवस्था अइछ ।रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ पुष ६, आईतवार १७:१०
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    ताजा अपडेट
    TOP