logo
  • २०८२ फाल्गुन २० | Wed, 04 Mar 2026
  • समृद्ध देश निर्माणक लेल ऊर्जा प्रदान करतः राष्ट्रपति पौडेल

    समृद्ध देश निर्माणक लेल ऊर्जा प्रदान करतः राष्ट्रपति पौडेल

    काठमाण्डू : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल सोनाम ल्होसार पाबैन सब नेपाली बीचक एकताकेँ आओर सुदृढ़ करैत आर्थिक आ सामाजिक रूपसँ समृद्ध देश निर्माणक लेल आगु बढ़बाक लेल सबकेँ ऊर्जा प्रदान करत कहि कामना केलैन अइछ ।
    सोनाम ल्होसारके अवसरमे आइ शुभकामना सन्देश जारी करैत ओ कहलैन, “तामाङ समुदायके महान पाबैन सोनाम ल्होसारक अवसरमे स्वदेश तथा विदेशमे भेल सम्पूर्ण नेपालीमे सुख, शांति एवं समृद्धिके लेल शुभकामना व्यक्त करैत छी ।” नेपालक बहुजातीय, बहुभाषिक, बहुसांस्कृतिक विविधतायुक्त नेपाली समाजसँ बृहत राष्ट्रिय एकताकेँ आओर सुदृढ़ करबाक लेल मद्दत होबाक राष्ट्रपति पौडेल विश्वास व्यक्त व्यक्त केलैन ।
    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ ५, सोमबार ११:४४
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP