logo
  • २०८२ माघ १२ | Mon, 26 Jan 2026
  • शुक्रदिनसँ मौसममे बदली हएत

    शुक्रदिनसँ मौसममे बदली हएत

    काठमाण्डू। पश्चिमी वायुके प्रभावसँ शुक्रदिन दुपहरसँ मौसम बदली होबाक अनुमान कएल गेल अइछ ।

    जल तथा मौसम विज्ञान विभागके अनुसार मुख्यतः नेपालके पश्चिम क्षेत्रमे मौसम बदली भ मध्यमधैर वर्षा आ हिमपात होबाक जनौलक अइछ । विभागक मौसमविद् डेभिट ढकाल माघ ९ आ १० गते शुक्रदिन दुपहरसँ पश्चिम नेपालसँ बादल सुरू होबाक जानकारी देलैन अइछ । ओ तकरबाद सुदुरपश्चिम क्षेत्रके किछ स्थानमे हल्का वर्षा सुरू होबाक बतौलैन ।

    शुक्रदिन राइत देशैभैरके उच्च पहाड़़ी तथा हिमाली भूभागके किछ ठामँमे मध्यम हिउँ खसबाक सम्भावना अइछ । ओ पश्चिमी वायुके प्रभाव लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछ स्थानसभमे तथा गण्डकी प्रदेशक किछ स्थानसभमे मेघगर्जनसहित मध्यम वर्षा होबाक जानकारी देलैन अइछ ।

    सङे गण्डकी, लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक एक/दू स्थानमे मेघगर्जनसहित पत्थर खसबाक सम्भावना रहल सेहो ढकाल बतौलैन। शैनदिन किछ सुधार भेलोपर बदलीके असर देशभैर रहबाक आ ठण्ढा बढ़बाक विभाग जनौलक अइछ ।

    मौसम बदलीके प्रभाव दैनिक जनजीवन, पर्यटन, स्वास्थ्य सङे हवाई तथा सड़क यातायात प्रभावित होबाक सम्भावना भेलासँ महाशाखासँ दैनिक मौसमी सूचनाके जानकारी लेबाक विभाग आइ एक सूचना जारी करैत आग्रह केलक अइछ ।रासस

     

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ ८, बिहीबार २२:०८
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP