logo
  • २०८२ फाल्गुन २६ | Tue, 10 Mar 2026
  • राष्ट्रपति पौडेल जापानमे

    राष्ट्रपति पौडेल जापानमे

     

    काठमाण्डू। चाइर दिनक औपचारिक भ्रमणक लेल राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल जापान गेल छैथ । हुनका जापानस्थित नारिता अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे जापानक विदेश मन्त्रालयके प्रमुख शिष्टाचार महापाल, नेपालक लेल जापानक राजदूत तोरु मायदा आ जापानक लेल नेपालक कार्यवाहक राजदूत हरिहरकान्त पौडेललगायत स्वागत केलैन अइछ ।

    जापान सरकारक निमन्त्रणमे राष्ट्रपति पौडेल पहिल महिला सबिता पौडलसहित नेपाली प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व करैत रैबदिन राति ओइदिस प्रस्थान कएने छलैन । राष्ट्रपति पौडेलके नेपाल आ जापान बीचक कूटनीतिकसम्बन्ध स्थापना भेल ७०म वर्षगाँठके अवसरमे जापानमे आयोजन होएबला विशेष समारोहमे सहभागी होबाक कार्यक्रम रहल राष्ट्रपतिके प्रेस सल्लाहकार किरण पोखरेल जानकारी देलैन ।

    हुनक कहब अनुसार टोकियोस्थित इम्पेरियल प्यालेसमे राष्ट्रपति पौडेलके जापानक सम्राट नारुहितोसँ राजकीय शिष्टाचार भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम छैन ।

    तहिना, राष्ट्रपति पौडेलके जापानक प्रधानमन्त्री ताकाइची सानाए आ विदेश राज्यमन्त्री होरिइ इवाओ सङे शिष्टाचार भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम छैन । प्रेस सल्लाहकार पोखरेलक कहब अनुसार राष्ट्रपति पौडेल भ्रमणक क्रममे जापानी व्यावसायिक समुदाय आ जापानस्थित नेपाली राजदूतावास हुनक सम्मानमे आयोजन करैबला स्वागत समारोहमे सेहो सहभागी हेताह ।

    नेपाल जापान बीच १ सेप्टेम्बर १९५६ मे कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेल छल । कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाके बाद १९६५ मे नेपाल टोकियोमे अपन दूतावास स्थापना कएने छल, तँ १९६७ मे जापान काठमाण्डूमे अपन दूतावास स्थापना कएने छल ।

    राष्ट्रपति पौडेलके चाइर दिनक भ्रमण सम्पन्न क इएह माघ २१ बुधदिन स्वदेश घुरबाक कार्यक्रम छैन । रासस

    यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0
    +1
    0



    भ्वाइस खबर    
  • २०८२ माघ १९, सोमबार ११:०७
  • प्रतिक्रिया

    सम्बन्धित समाचार
    TOP