काठमाण्डू, १७ अखारः बितल २४ घण्टामे दू हजार एक सओ ५७ सवारीचालककेँ कारबाही कएल गेल अइछ । उक्त कारबाहीसँ राज्यकोषमे २१ लाख ४० हजार ५ सओ ४६ टका राजस्व जमा भेल अइछ ।
काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय अनुसार मादकपदार्थ सेवन कएने ८२, नियमविपरीत ‘राइड सेयरिङ’ कएने एक सओ एक, ट्राफिक लाइट उल्लङ्घनकर्ता एक सओ ५ आ तीव्रगतिमे सवारीसाधन चलौने एक सओ १७ गोटेकेँ कारबाही कएल गेल अइछ ।
तहिना, ‘लेन’ अनुशासन पालना नै कएने ७७, निषेधित क्षेत्रमे हर्न बजौने ६१, कारी सिसाबला सवारीसाधन सञ्चालन कएने २२, एकतर्फी सड़कमे सवारीसाधन चलौने ५४ आ अन्य सवारी नियम पालन नै कएने एक हजार ५ सओ ३८ गोटेकेँ कारबाही कएल गेल अइछ ।रासस
प्रतिक्रिया